गुरुवार, 27 जून 2019

दुर-दुर छीया ए छीया लिरिक्स

Dur Dur Chhiya E Chhiya Lyrics

दुर-दुर छीया ए छीया, दुर-दुर छीया ए छीया, 
एहन बौराहा बर संग, एहन बौराहा बर संग
जयती कोना धीया
दुर-दुर छीया ए छीया, दुर-दुर छीया ए छीया

पाँच मुख बीच शोभनि तीन अंखिया, - 2
सह सह नचै छनि, सह सह नचै छनि साँप सखिया
दुर-दुर छीया ए छीया...

काँख तर झोरी शोभनि, धथूर के बीया, - 2
दिगम्बर के रूप दखि,  दिगम्बर के रूप दखि
साहले मैना के हीया
दुर-दुर छीया ए छीया...

जँ धीया के विष देथिन पिआ, कोहबर मे मरती धीया
भनहि विद्यापति सुनू धीया के माय, 
बैसले ठाम गौरी के गुजरिया
दुर-दुर छीया ए छीया...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !