अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
13 जुल॰ 2025
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
एक सेहेन्ता हमरा मोन में लिरिक्स - मैथिली शिव भजन गीत
एक सेहेन्ता हमरा मोन में लिरिक्स - मैथिली शिव भजन गीत
एक सेहेन्ता हमरा मोन में
होय यै बारम बार
पहुँचितौं बाबा के दरबार...
गंगा सं गंगा जल भरितौं
कांवर लै हम नैन जुराबितौं
बनितौ सेवक कहार
पहुँचितौं बाबा के दरबार
एक सेहन्ता हमरा मोन में
होय यै बारम बार
पहुँचितौं बाबा के दरबार...
कांवर ले के चलल कहरिया
बनल कांवरिया शिव के भरिया
हर-हर बम-बम नारा लगावबैत
महुँचव शिव के द्वार
पहुँचितौं बाबा के दरबार...
बूढ़ बरद छैन शिव के सबारी
बैसला दिगम्बर विष के आहारे
चौदह दिसा में घूमी-घूमी देखल
शिव के रूप हजार
पहुँचितौं बाबा के दरबार...
असरन शरण ध्यान हम धेलौ
अहाँ के शरण मे हम लेपटेलौ
कल जोड़ी विनय करै छी यौ बाबा
कष्ट हरु सरकार
पहुँचितौं बाबा के दरबार...
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/09/purnima-ke-chand-jaka-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2022/05/maithili-sohar-geet-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !