...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

8 मार्च 2016

मधुश्रावणी व्रत कथा : मौना पंचमी के पहिल दिनक कथा

पहिल दिनक कथा — मौना पंचमीक कथा
एक दिन एक बूढ़ी स्नानक हेतु धार गेला पर देखलनि जे धारमे चिकनी पात पर पाँच गोट किछु लहलहाइत छल। ओ जीव बूढ़िके देखि बाजल–हे बूढ़ी। गाम जा लोकके सूचित करियौ जे आइ मौना पंचमी थिकैक। आइ लोक पाँच झाक चिक्कनि माँटि आनि, घर आँगन पवित्रसँ नीपि, तेलकूड़ लगाए, स्नान कए अँगनामे चिकनी माँटिक पाँच टा थूम्हा बनाबथि। ताहिमे सिन्दुर-पिठार लगाए उपरसँ दुबि साटि देथि। नव वासनमे खीर-घोरजाउर रान्हथि। विसहराक पूजा कए हुनका दूध-लाबा चढ़ाबथि आ खीर-घोरजाउर उत्सर्गथि। झोआ नेबो, आमक पखूआ, अमतौआ दाड़िम, नीमक पात, नेड़रा कुश आ धामिक पात आदि चढ़ाबथि। ई सब केलाक बाद आइ सब केओ तीतकोत खाए खीर-घोरजाउर खाथि। घरक दुआरिक दुनू भाग गोबरसँ फेंच काढ़ने नागक चित्र बनाए, ओकर मुँहमे दही आ दूबि लगा देथि। जे केओ एहि तरहें पाबनि करती तिनका सब प्रकारक कल्याण हेतन्हि आ जे ऐना नहि करती तिनका हानि होयतनि।

बूढ़ी नहाके आँगन एलीह तँ गाममे सबके कहि देलथिन। गामक किछु लोक ई पाबनि नहि केलक आ किछु लोक एकरा फूसि-फटक बूझि अनठाए देलक, पाबनि नहि केलक। जे सब पावनि केलक से सब ठीक रहल आ जे सब नहि केलक से सब रातिएमे मरि गेल। गाममे हाहाकार मचि गेल। हारिकें लोक सब फेर बूढ़ीक ओतए आयल आ' पुछलक जे आब कोन उपाय सँ मुइल लोक सब जीवित होएत। बूढ़ीकें किछु नहि फुरलनि तँ फेर दौड़लि धारक किनार गेलीह। ओतय चिकनी पात पर पाँचो जीव ओहिना लहलहाइत छल। ओ पाँचो बहिन बिसहरा छलीह। बूढ़ी हुनका प्रणाम कए गामक सब वृत्तान्त सुनाए पुछलनि जे मुइलहा लोक सबके पुन: जिएबाक कोन उपाय कएल जाए।

बिसहरा कहलनि जे पहिने तँ हमरा अनुसारे ओ सब पावनि नहि केलक तें सब मरि गेल। अब एके उपाय अछि। गाममे जँ ककरो कराहीमे खीर-घोरजाउर लागल होइक तँ ओकरा घोरिकें मुइल लोक सबके चटा देबैक, इहो बुझा देबैक जे अगिला पंचमीकें नाग-पंचमी होएतैक। ओहि दिन सब नियमपूर्वक पावनि करए, तखनहि कल्याण होएतैक।


बूढ़ी गाममे घरे-घरे कराहीमे लागल खीर-घोरजाउर ताकि मुइलहा सबके चटाओल, तखन पुन: ओ सब जीवि गेल। आब ओहो सब प्रसन्न भए बिसहराक बुझाओल अनुसारे पाबनि करए लागल आ' आनन्द सँ रहय लागल। मुइलहा लोक सब पुन: जीबि उठल आ नाग पंचमीक दिन पाबनि केलक से "मड़रए" कहौलक।

विसहराक जन्म
एक दिन महादेव गौरीक संग सरोवरमे जल-क्रीड़ा करैत छलाह। संयोगवशहुनक वीर्यस्खलन भए गेल। महादेव ओकरा एक पुरैनिक पात पर राखि देलनि। ओहिसँ बिसहरा पाँचो बहिनक जन्म भेल। महादेवकें एहि पाँचो बहिन पर ममता होएब स्वाभाविक छल। ओ नित्य ओहि सरोवरमे स्नान लेल जाथि आ बड़ी-बड़ी काल तक ओहि साँपक पोआ संग खेलाथि। गौरीकें सन्देह होमए लागल जे महादेव एतेक काल तक पोखरिमे की करैत रहैत छथि। एक दिन ओ महादेवक पाछू-पाछू गेलीह तँ देखलनि जे महादेव पोआ सभक संग खेलाइत छथि। ई देखि गौरी तमसाए गेलीह। ओ पोआ सबकें पएरसँ पीचि-पीचिकं फेंकए लगलीह। महादेव मना कएलनि जे ई सब मारबाक पात्र नहि थीक, ई सब अहाँक बेटी थीक। ई सब अनेको कष्ट दूर करत आ कहियो अहूँक उपकार करत। मृर्त्यभुवनमे साओन मासमे एकरा सभक पूजा होयत। जे ऐ पाँचो बहिनक पूजा करत तकरा साँपक डर नहि रहतैक। ओ धन धान्यसँ पूर्ण होयत आ ओकरा सब तरहें कल्याण होएतैक। हम एहि पाँचो बहिनक नाम रखने छी जाया, बिसहरि, शामिलबारी, देव आ दोतलि।

इहो पढ़ब:-


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू