सोमवार, 26 जुलाई 2021

मधुश्रावणी व्रत कथा : पाँचम दिनक कथा

महादेब परिबारक वर्णन :-

दक्ष, सती के प्राण त्याग्लाक बाद हिमालय के रूप में अवतार लेलैथ I हुनका क्रमशः पाँच टा कन्या भेलनि उमा, पार्वती, गंगा, गौरी आ संध्या। एही पाँचो क विवाह बेरि बेरि महादेव सं भेलनि।


उमाक उत्पति आ महादेब संग जुडब :-

हिमालय क मनाइन नामक स्त्री सं एकटा बेटी भेलखिन। जखन ओ पाँच वर्ष क भेलि त महादेव क वर रूप में प्राप्त करवाक कामना सं तपस्या करवा हेतु विदा भेलि। मनाईन मना करैत रहि  गेलखिन मुदा ओ नहि मानलि तें हुनकर नाम उमा पङलैन। आठ वर्ष क भेला पर महादेव हुनका तपस्या सं प्रसन्न भई हुनका सं विवाह क लेलैथ। आ मनाईन अपन माथ पिटैत रहि गेली कि हुनकर सुकुमारी क विवाह बूढ बर सं भ गेल।


पार्वतीक उत्पति आ महादेव संग बिआह :-

हिमालय क दोसर बेटी पार्वती भेलखिन। पार्वती एक दिन फूल तोरबाक लेल कनक शिखर पर  गेलखिन। ओतए एकटा बूढबा क बसहा पर चढल आ डमरू बजबैत देखलखिन। पार्वती चिन्ह गेलखिन जे इ त साक्षात् महादेव छैथ। सखि सब के मना केला क बादो ओ ओकरा सब के घर विदा क बसहा पर बैसी महदेव संगे चलि गेली। मानाइन फेर कानैत बाजैत रहि गेली।


गंगाक आविर्भाव :-

हिमालय क तेसर बेटी भेलखिन गंगा। ओ जखन पैघ भेलि त एक दिन महादेव भिखारी रूप ध आबि क गंगा क अपना चोटी में नुकाए भागि गेलखिन। तहिया सं गंगा महादेव के जटा में विराजमान रहैत छैथ।









कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !