बुधवार, 22 अप्रैल 2015

बापक राज आइ बिसरू सोहागिन लिरिक्स - कनियाँ परिछन गीत Baapak Raaj Aai Bisaru Sohagin Lyrics

Baapak Raaj Aai Bisaru Sohagin Lyrics

बापक राज आइ बिसरू सोहागिन, 
एलौं पति घर हे
माय कनैत हेती, देहरी बैसलि हेती, 
बाप सोचैत मनेमन हे
काकी कनैत हेती, भानस करैत हेती, 
कका सोचैत पूजाक बेर हे
भौजी कनैत हेती, पलंगा बैसलि हेती, 
भैया सोचैत कने मने हे
दूध पिआय एहन सिया बेटी पोसल, 
सेहो रघुवर लय एलथि हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !