अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
Parichhan Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Parichhan Geet लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
20 दिस॰ 2025
Maithili Lokgeet
परिछन गीत
आबु आबू आबू दुल्हा अंगना हमार हे
आबु आबू आबू दुल्हा अंगना हमार हे
अंगना में होयत दुल्हा विधि सब तोहार हे
अंगना में होयत दुल्हा विधि सब तोहार हेJ
एना कियै चलइ छी दुल्हा सासु जी के घर हे
एना कियै चलइ छी दुल्हा सासु जी के घर हे
सासु सब हँसि देती चालि देखि तोहार हे
सासु सब हँसि देती चालि देखि तोहार हे
अंगना में होयत दुल्हा विधि सब तोहार हे
नहु नहु चलु दुल्हा छोडू डेग नम्हर हे
नहु नहु चलु दुल्हा छोडू डेग नम्हर हे
सरहज दुलारी लेती नाक पकड़ि हे
सरहज दुलारी लेती नाक पकड़ि हे
अंगना में होयत दुल्हा विधि सब तोहार हे
सरहज दुलारी लेती नाक पकड़ि हे
सरहज दुलारी लेती नाक पकड़ि हे
रीझल कनक लता दुल्हा ऊपर हे
रीझल कनक लता दुल्हा ऊपर हे
अंगना में होयत दुल्हा विधि सब तोहार हे
8 नव॰ 2024
Maithili Lokgeet
चलु परिछु गे दाई, रानी सुनैना के सुंदर जमाई
चलु परिछु गे दाई, रानी सुनैना के सुंदर जमाई
चलु परिछु गे दाई...
माथे मुकुट भाल चन्दन सोहाय,
माथे मुकुट भाल चन्दन सोहाय
सोभा निरख इंद्र, चंद्रो लजाय
चलु परिछु गे दाई...
राजा जनक द्वार बाजे बधाई
राजा जनक द्वार बाजे बधाई
देखिते सिनेहिया के नैना जुड़ाई
चलु परिछु गे दाई...
इहो पढ़ब :-
7 नव॰ 2024
Maithili Lokgeet
Maithili Parichhan Geet
चलु देखु भरि नयना नवल दुल्हा
अरछि परछि लाउ सजनी आँगनमा
छवि देखू भरि नयना नवल दुल्हा
परम सुंदर चारु बर चित चोरबा
सखी चारु मन मोहना नबल दुल्हा
शिर मणि मौड़िया सुमंगल चनमा
सखि चारु छवि एना नबल दुल्हा
जेहने सलिनी धिया तेहने सलोनमा
रचि देल जोड़ी विधिना नवल दुल्हा
गाबथि स्नेहलता इहो परिछनमा
झट आनु सखि अंगना नबल दुल्हा
13 अक्टू॰ 2024
Maithili Lokgeet
निंदिया के मातल दुल्हा झुकि झुकि जाइ हे
कहाँ गेलै माई सुनैना परिछु जमाई हे
कांचेहि बांस केर डलवा बुनाई हे
चानन काजर धरि परिछन जाइ हे
जेहने हमर धिया तेहने जमाई हे
दुल्हा के देखी-देखी नैना जुराइ हे
सोने के कलशिया में कलशा धराइ हे
दुल्हा के परिछु सखि नाक दबाई हे
11 अक्टू॰ 2024
Maithili Lokgeet
आबू आबू आबू सखि,
आबू आबू आबू सखि, देखु भरी नैना
दूल्हा श्यामला, मुखवा पर धयने रुमाल
दूल्हा श्यामला, मुखवा पर धयने रुमाल
चानन ललाट सोभे, चानन ललाट सोभे,
माथे मणि मोरया,
दूल्हा श्यामला, जुल्मी जुलुफिया घुंघराल,
दूल्हा श्यामला, जुल्मी जुलुफिया घुंघराल,
दूल्हा श्यामला, मुखवा पर धयने रुमाल...
सुंदरी धिया के सोभे, सुंदरी धिया के सोभे,
सुन्दर सलोना,
दूल्हा श्यामला, जोड़ी विधि रचल कमाल,
दूल्हा श्यामला, जोड़ी विधि रचल कमाल
दूल्हा श्यामला, मुखड़ा पर धेने रुमाल...
एहन जमाई पाबि, एहन जमाई पाबि,
धन्य आय मिथिला,
दूल्हा श्यामला, धन-धन जनक भूभाग,
दूल्हा श्यामला, धन-धन जनक भूभाग,
दूल्हा श्यामला, मुखड़ा पर धेने रुमाल...
निरखि 'स्नेह लता', निरखि 'स्नेह लता',
गावे इहो झांकी,
दूल्हा श्यामला, आजु भेल जीवन निहाल,
दूल्हा श्यामला, आजु भेल जीवन निहाल,
दूल्हा श्यामला, मुखवा पर धयने रुमाल
आबू आबू आबू सखि,
आबू आबू आबू सखि, देखु भरी नैना
दूल्हा श्यामला, मुखवा पर धयने रुमाल...|
गीतकार: स्नेह लता
पारम्परिक मैथिली परिछन गीत
10 अक्टू॰ 2024
Maithili Lokgeet
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया
जिनकर रूप बेजोड़ हे, परिछन चलु सखिया
जिनकर रूप बेजोड़ हे, परिछन चलु सखिया
देखई मे फूल सन सुंदर सखिया
देखई मे फूल सन सुंदर सखिया
तोरलनी धनुष कठोर हे, परिछन चलु सखिया
तोरलनी धनुष कठोर हे, परिछन चलु सखिया
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया...
जाहि विधि सिया निरमाहोल सखिया
जाहि विधि सिया निरमाहोल सखिया
विधना लेगाओल जोड़ हे, परिछन चलु सखिया
विधना लेगाओल जोड़ हे, परिछन चलु सखिया
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया...
दूल्हा परिछि मण्डप चलु सखिया
दूल्हा परिछि मण्डप चलु सखिया
देखी देखी नैना विभोर हे, परिछन चलु सखिया
देखी देखी नैना विभोर हे, परिछन चलु सखिया
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया...
परिछन चलु हरषि सब सखिया
परिछन चलु हरषि सब सखिया
देखब अवध किशोर हे, परिछन चलु सखिया
देखब अवध किशोर हे, परिछन चलु सखिया
दुल्हा अवध किशोर हे परिछन चलु सखिया...
29 अप्रैल 2023
Maithili Lokgeet
परिछन चलियौ सखी,
सुन्दर जमैया हे सोहावन लागे
परिछन चलियौ सखी,
सुन्दर जमैया हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
चम-चम चमकनि,
सिर केर पाग हे सोहावन लागे
चम-चम चमकनि,
सिर केर पाग हे सोहावन लागे
नैना के काजर अनूप, हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
सिया सुकुमारी देलखिन,
अंचरा ओछाई हे सोहावन लागे
सिया सुकुमारी देलखिन,
अंचरा ओछाई हे सोहावन लागे
चलथिन पाहून श्री राम, हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
धीरे-धीरे चलियौ रघुवर,
अंचरा ने फाटै हे सोहावन लागे
धीरे-धीरे चलियौ रघुवर,
अंचरा ने फाटै हे सोहावन लागे
अंचरा के दाम अनमोल, हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
अंचरा के दाम सुनि,
हंसला रघुवर जी हे सोहावन लागे।
अंचरा के दाम सुनि,
हंसला रघुवर जी हे सोहावन लागे
मिथिला के नारी, बड़ चतुर हे सोहावन लागे
वर छथिन बड़ सुकुमार, हे सोहावन लागे
1 फ़र॰ 2020
Chandramani Jha
परिछन /
गारिने हम दै छी दुलहा दऽ रहलौं आषीष यौ
सासुरमे जुनि छाती तनियौ रहू लिबौने शीष यौ।।
गारिने...
गरदनिमे तौन लगबै छी
गरदामी ने अनलौं
नाक धरै छी नाथब तइले
हाटक बाछा बनलौं
अहाँके जनमओलनि तइले बाबू लेलनि फीस यौ।।
गारिने...
नव बड़द छी सुन्नर लागब
तें पहिरू ई माला
सासुर के धोती पहिरू आ’
फेरू बाबावाला
जे जे कहलौं मानू तै तऽ लागत ठुनका तीस यौ।।
गारिने...
मौसा हड़कल मौसी गुड़कल
पीसा अहाँके भरूआ
दुलहा मुदा अहाँके भरूआ
दुलहा मुदा अहाँ जुनि रूसियौ
सासुके दुलरूआ
बहिन ले‘ हम घघरी मंगादेव बाबू ले कटपीस यौ।।
गारिने...
खेत बेचिकऽ साइकिल देब
आ’ महिंस बेचिकऽ रेडियो
काकाके दोसरि बेटीकी
जेतनि वियाहिल कहियो
बरू हम पहिरब गुदड़ी दुलहा जीबू लाख बरीस यौ।।
गारिने...
Tags:
Chandramani Jha,
Parichhan Geet
7 नव॰ 2019
Maithili Lokgeet
मिथिला में कनियाँक दुरांगमन काल जे परिछन होय छै तकर मैथिली लोकगीत
नोट : उपर ललका बिंदी के आगू कनियाँ परिछन गीतक मुखड़ा अछि, अहाँ जे गीत पढबाक ऐछ कृपया ओहि पर क्लिक करू।
एहो पढ़ब :-
23 फ़र॰ 2018
Maithili Lokgeet
मिथिला में परिछन काल गाओल जाय बला मैथिली लोकगीत
नोट : उपर तीरक आगू परिछन गीतक मुखड़ा अछि, अहाँके जे गीत पढबाक ऐछ कृपया ओहि पर क्लिक करू।
13 नव॰ 2015
Parichhan Geet
परिछन लोकगीत
बहिना गे कोना क परिछब सिया जि के बर के
लगैय हमरा डर गे ना।
बहिना गे कोना क परिछब सिया जि के बर के
लगैय हमरा डर गे ना।
बरके बापके पाकल दाढि,
हुनका तीन तीनटा महतारि
बरके बापके पाकल दाढि,
हुनका तीन तीनटा महतारि
बरके देखिके हमरा बुझाइय चित चोर गे,
लगैय हमरा डर गे ना।
बर छैथ बचपन सौ धनुष धारी
उ त बनौलन पथल के नारी
बर छैथ बचपन सौ धनुष धारी
उ त बनौलन पथल के नारी
हिनका देखिते देखिते भगेल साँझ स भोर गे,
लगैय हमरा डर गे ना।
27 अप्रैल 2015
Maithili Lokgeet
Sita Aay Ayali Anganama He Lyrics
सीता आइ आयली अंगनमा हे,
परिछन चलू सखिया
कथी केर महफा, कथी केर ओहरिया,
कथी लागल चारू पहिया हे
परिछन चलू सखिया...
सोने के महफा, लाले ओहरिया,
झुनकी लागल चारू पहिया हे
परिछन चलू सखिया...
कथी के साड़ी, कओने किनारी,
कथी लागल छनि अंचरिया हे
परिछन चलू सखिया...
जारजेट के साड़ी, गोटा किनारी,
सितारा टांकल छनि अंचरिया हे
परिछन चलू सखिया
सीता आइ आयली अंगनमा हे,
परिछन चलू सखिया...
22 अप्रैल 2015
Maithili Lokgeet
Baapak Raaj Aai Bisaru Sohagin Lyrics
बापक राज आइ बिसरू सोहागिन,
एलौं पति घर हे
माय कनैत हेती, देहरी बैसलि हेती,
बाप सोचैत मनेमन हे
काकी कनैत हेती, भानस करैत हेती,
कका सोचैत पूजाक बेर हे
भौजी कनैत हेती, पलंगा बैसलि हेती,
भैया सोचैत कने मने हे
दूध पिआय एहन सिया बेटी पोसल,
सेहो रघुवर लय एलथि हे
12 अप्रैल 2015
Maithili Lokgeet
Sona Ke Palkiya Sa Sita Ke Utaru Lyrics
सोना के पलकिया सँ सीता के उतारू, हे डोलय ने पाबय
मोर सीता अति सुकुमारि, हे डोलय ने पाबय
पालकी के आगू-पाछू डाला भरि पान, आओर भरल दुभि-धान
धीरेसँ उतारू सोना के पलकिया, हे आँचर नहि फारय
मोर सीता अति सुकुमारि, हे डोलय ने पाबय
कहथिन वशिष्ठ मुनि सीता के अनुशासन, हे डोलय ने पाबय
कौशल्या के पूरल मन आसा, हे डोलय ने पाबय
6 अप्रैल 2015
Maithili Lokgeet
Sunu Ge Sakhiya Angana Me Elai Doliya Lyrics
सुनू गे सखिया, अंगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली सासु हे बड़ैतिन, लाबथु रऽही ओ दाबि
सुनू गे सखिया, अँगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली दियादिनि बड़ैतिन, महफे खुआबथु गूड़
सुनू गे सखिया, अंगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली ननदो बड़ैतिन, अरिछि-परीछि घर जाथु
सुनू गे सखिया, अंगना मे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली, ननदी बड़ैतिन, अरिछि-परीछि घर जाथु
सुनू गे सखिया, अंगना मे एलै डोलिया कहार
31 जन॰ 2015
Maithili Lokgeet
सोना के डाला लय चलली सोआसिन हे परीछू सखी
कय लेल सोलह शृंगार हे परीछू सखी
कओने नगरियासँ एलै बरिअतिया हे परीछू सखी
कओने नगरिया भेलै शोर हे परीछू सखी
अवध नगरियासँ एलै बरिअतिया हे परीछू सखी
जनक नगरिया भेलै शोर हे परीछू सखी
एहन बरिअतिया हम कतहू ने देखल हे परीछू सखी
देखिते लागय तोहाओन हे परीछू सखी
ब्रह्मा ओ विष्णु मिलि अयला बरिअतिया हे परीछू सखी
बाजन बाजे घनघोर हे परीछू सखी
दस-पाँच सखी मिलि परिछन चलली हे परीछू सखी
पहिरन लहंगा - पटोर हे परीछू सखी
30 जन॰ 2015
Maithili Lokgeet
● परिछन गीत
आयल छथि दुलहा जनकजी के द्वार
चलू सब परिछन राजकुमार
आयल छथि दुलहा जनकजी के द्वार
चलू सब परिछन राजकुमार
डाला बीच साँठि लियऽ चानन काजर
पानक खिल्ली लियऽ अति सुन्दर
आओर जे लियऽ सखि चाउर पिठार
चल सब परिछन राजकुमार
हाथमे शोभनि सोनक कंगन
माथमे शोभनि हीरा - मोतीक मौर
गला बीच शोभनि पुष्प हार
चलू सब परिछन राजकुमार
गाबथि स्नेहलता सुनू ए सुनयना
वरकेँ परीछि कए लऽ चलू अंगना
अहिठाम भेल आब विध व्यवहार
चलू सब परिछन राजकुमार
27 जन॰ 2015
Maithili Lokgeet
बड़ा भारी जुलुम केलौं हे मेना,
नारद पर विश्वास केलौं
बड़ा भारी जुलुम केलौं हे मेना,
नारद पर विश्वास केलौं
दाँत टुटल केश पाकल वर केँ,
कोना परीछि आनि लेलौं
नहि छनि बरकेँ घर घरारी,
ने छनि बाड़ी झारी
गौरीक गला हलाल केलौं,
हे नारद पर विश्वास केलों
सह सह साँप करै छनि,
गले नाग फुफकार छोड़ै छनि
गौरी केँ सन्ताप देलौं,
नारद पर विश्वास केलौं
बड़ा भारी जुलुम केलौं हे मैना,
नारद पर विश्वास केलौं
25 जन॰ 2015
Maithili Lokgeet
परिछन करय हरषि चलू सजनी गे
दुलहा अवध किशोर सजनी गे
जिनकर रूप मन हरलक सजनी गे
जग भरि भेल अति शोर सजनी गे
देखैत फूल सन सुन्दर सजनी गे
तोड़लनि धनुष कठोर सजनी गे
जे विधि सिया निरमाओल सजनी गे
विधना लगाओल जोर सजनी गे
दुलहा परीछि मंडप चलू सजनी गे
देखि देखि चयन विभोर सजनी गे
परिछन चलू हरषि कय सजनी गे
अरीछि परीछि अवध किशोर सजनी गे
15 जन॰ 2015
Maithili Lokgeet
अहाँ केर बाबू दुलहा बहुत लेलनि गनाय यो रघुवंशी दुलहा - 2
डाला भरि टाका लेलनि गनाय यो रघुवंशी दुलहा
अहाँ केर बाबु दुलहा बीत-बीत बेचबोलनि यो रघुवंशी दुलहा
हमरा बाबु के छनि एतेक हियाब यो रघुवंशी दुलहा
अहाँ के लेलनि खरीदि यो रघुवंशी दुलहा
मिथिलामे गेलौं बिकाय यो रघुवंशी दुलहा
Tags:
Maithili Lokgeet,
Parichhan Geet



