गुरुवार, 7 नवंबर 2019

कनियाँ परिछन गीत - दुरांगमन लोकगीत | Kaniya Parichhan Geet Lyrics | Duragman Geet Lyrics

१. सीता डोलीमे सबार Lyrics

सीता डोलीमे सबार, रामचन्द्र नीचा मे छथि ठाढ़
ई नहि उचित विचार, अवधपुरमे

सीता होउ ने बहार, कते करै छी सम्हार
होयत बिध-बेवहार, अवधपुर मे

जगमग दीप जराउ, सखि सख मंगल गाउ
कौशल्या गूड़ खोआउ, अवधपुर मे
आजु सोन लुटायब, अवधपुर मे


२. डोली लायल कहार Lyrics

डोली लायल कहार, ताहिमे दुलहिन सबार
कोना उतारि लय जायब कोहबरबामे
रामचन्द्र डोली धेने ठाढ़, सीता दाइ रोदना पसार
कोना उतारि लय जायब कोहबरबामे
रघुवर के माथ सोभनि मौर
शुभ-शुभ कय लय जायब कोहबरबामे


३. सुनू गे सखिया Lyrics

सुनू गे सखिया, अंगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली सासु हे बड़ैतिन, लाबथु रऽही ओ दाबि
सुनू गे सखिया, अँगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली दियादिनि बड़ैतिन, महफे खुआबथु गूड़
सुनू गे सखिया, अंगनामे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली ननदो बड़ैतिन, अरिछि-परीछि घर जाथु
सुनू गे सखिया, अंगना मे एलै डोलिया कहार
कहाँ गेली, कीये भेली, ननदी बड़ैतिन, अरिछि-परीछि घर जाथु
सुनू गे सखिया, अंगना मे एलै डोलिया कहार


४. सोना के पलकिया सँ Lyrics

सोना के पलकिया सँ सीता के उतारू, हे डोलय ने पाबय
मोर सीता अति सुकुमारि, हे डोलय ने पाबय
पालकी के आगू-पाछू डाला भरि पान, आओर भरल दुभि-धान
धीरेसँ उतारू सोना के पलकिया, हे आँचर नहि फारय
मोर सीता अति सुकुमारि, हे डोलय ने पाबय
कहथिन वशिष्ठ मुनि सीता के अनुशासन, हे डोलय ने पाबय
कौशल्या के पूरल मन आसा, हे डोलय ने पाबय


५. सीता सहित रघुवर Lyrics

सीता सहित रघुवर लागल दुअरिया हे, परीछू सखी
सखि सभी मंगल गाउ हे परीछू सखी
साजि लेल हारा-डाला, लेसि लेल दीप हे, परीछू सखी
हाथ कंगन सिया के पयर नूपुरबा हे परीछू सखी
कौशिल्या आरती उतारू हे परीछू सखी
पहिरन सिया के रेशमी पटोरिया हे परीछू सखी
घोघटमे रतन जड़ल दै हे परीछू सखी
निहुरि-निहुरि सिया घोघट सम्हारल हे परीछू सखी
उगि गेल पूनमक चान हे परीछू सखी
दस-पाँच सोहागिन मिलि आसीष देल हे परीछू सखी
जीबथु जोड़ी लाख बरीस हे परीछू सखी
सिया के रहनि अचल अहिबात हे परीछू सखी


६. बापक राज आइ बिसरू Lyrics

बापक राज आइ बिसरू सोहागिन, एलौं पति घर हे
माय कनैत हेती, देहरी बैसलि हेती, बाप सोचैत मनेमन हे
काकी कनैत हेती, भानस करैत हेती, कका सोचैत पूजाक बेर हे
भौजी कनैत हेती, पलंगा बैसलि हेती, भैया सोचैत कने मने हे
दूध पिआय एहन सिया बेटी पोसल, सेहो रघुवर लय एलथि हे


७. सीता आइ आयली अंगनमा Lyrics

सीता आइ आयली अंगनमा हे, परिछन चलू सखिया
कथी केर महफा, कथी केर ओहरिया, कथी लागल चारू पहिया हे
सोने के महफा, लाले ओहरिया, झुनकी लागल चारू पहिया हे
कथी के साड़ी, कओने किनारी, कथी लागल छनि अंचरिया हे
जारजेट के साड़ी, गोटा किनारी, सितारा टांकल छनि अंचरिया हे


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !