मंगलवार, 26 मई 2015

मिथिलाक किशोर सुनील झा पवन | A Biography of Sunil Pawan

मिथिला धरोहर : मिथिलांचल मे किशोर नाम सँ मशहूर कलाकर आ मिथिला चर्चित गायक श्री सुनील झा पवन जी के जन्म २७ मई १९७६ के दरभंगा जिलाक अंतर्गत बोहुरबा गाम मे स्वर्गीय योगेन्द्र झा आ माता बच्चा देवी के पुत्र के रूप मे भेलनि। बहुमुखी प्रतिभा सँ सम्पन सुनील जी, १९९४ सँ प्लेबैक सिंगिंग आ म्यूजिक कोम्पोजिंग सँ जुडल छथि। हिनक पहिल एल्बम के नाम छलनी 'माँ की पुकार' जे हिन्दी भाखा मे आयल छल आ हिनक पहिल मैथिलि एल्बम के नाम अछि “मैथिल विवाह”। ताहिक उपरांत "नबकी कनियाँ" आयल छल जेकर गीत, हे यै सुपौल वाली हे ये तुमौल्ल वाली बहुते लोगप्रिय भेल छल। एकर बाद हिनकर एक पर एक सुपरहिट कैसेट आयल जाही मे पिया जी, बिजुरिया, मिथिला में किशोर, शैर छै कमाल, मिथिला के बेटी, सजनियाँ, मैया रानी, दुर्गा भजन जुल्फी वाली रानियाँ, प्रेम रस, भैया के विवाह, और कतेको हिट मैथिली कसेट्स जाही मे जुल्फी वाली रानियाँ के एगो गीत बहुत हिट रहल ” कोना के टूटलो मोती के हार, कोना उजरलो तोहर सिंगार...।
सुनील झा पवन अपन मधुर आवाज एखन धरि रमा, मोसेरबेयर, टी-सिरीज, सती, भारती, सोफ्ट म्यूजिक, नीलम आ टिप्स के संगे लगभग ३६ टा नामी म्यूजिक कम्पनी मे दऽ चुकल छैथ। एकरा अलावा हिन्दी मे हिनक कसेट्स गुरुवंदना, अमृत हरी भजन, गणपति स्तोत्रम, अन्नपूर्ण स्तोत्र आ भोजपुरी मे बिल्लो रानी, लहंगा उठा देब रिमोट से, रंग उड़े ला गुलाब, जान मारे नथूनियाँ, वेवफ़ाई आदि आबि चुकल अछि। एकर अलावा बहुत रास टीवी सीरियल लेल सेहो काज कऽ चुकल छथि, जाही मे दूरदर्शन पर प्रसारित सीरियल “अंजुमन” डीडी उर्दू आ डीडी भारती पर भक्ति साधना, डीडी भारती पर प्राईड ऑफ इंडिया युवा सुर सम्राट आदि प्रमुख अछि। 

इहो पढ़ब :-
एखन धरि सुनील झा के बिभिन्न सम्मान सँ सम्मानित कयल जा चुकल छथि जाही मे मिथिला लोक चेतना मंच प्रशस्ति पत्र, रमाश्रय स्मृति सम्मान पत्र, दरभंगा नव पल्लव सम्मान पत्र आ गंध स्मृति प्रमुख अछि। एखन धरि २०० सँ अधिक गीत लिख चुकल छथि। एही मे किछु रास गीत के अप्पन स्वर देलैथ त किछु गीत के आँन गायक सभ के गाबेय लेल देलथीन। १९९४ सँ १९९८ धरि नीलम कसेट्स संग मैथिल विवाह, नवकी कनियाँ, बिजुरिया, भैया के विवाह, मारू पिचकारी पिया धीरे धीरे, दुर्गा भजन, प्रांनप्रिये, सजनियाँ, आदि गेलनि। १९९९ मे ओ टी-सिरीज़ के संगे जुरला, अहि कंपनी सँ मिथिला के बेटी, पियाजी, मिथिला के किशोर, जुल्फी बाली रानिया, दुश्मन कनियाँ आ महादेव सन सुपरहिट कैसेट्स हिनक स्वर मे आबि चुकल अछि।

इहो पढ़ब :-

२०१२ मे चंडीगढ़ के प्राचीन कला केंद्र सँ संगीत भास्कर, प्रयाग संगीत समिति इलाहाबाद सँ संगीत प्रभाकर आ गंदर्भ महाविद्यालय मुंबई सँ संगीत विशारद के उपाधि प्राप्त केने छथि। अहि दरम्यान हिनक गुरु रहलाह पंडित राजेंद्र प्रसन्ना (बनारस घराना) पंडित श्री हरीनाथ झा (डगर घराना) पंडित किरण ध्यानी (किराना घराना) सन व्यक्तित्व रही चुकल छथि।
३, अक्टूवर, २०१४ केँ सत्य घटना पर आधारित मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म "हाफ मॉडर" मे अपन म्यूजिक कोंपोज के दम पर बॉलीवुडक मसहुर गायक जेना- श्री रवीन्द्र जैन, उदित नारायण झा, शान, कुमार शानू, कविता कृष्णमूर्ति सँ गीत गबेलैथ। एखन किछु रास और मैथिली फ़िल्म मे संगीत दऽ रहल छैथ ओहि मे सँ एकटा अछि 'आवारा कहीं के' जेकर निर्माता छैथ डॉ० राम नाथ चौधरी आ निर्देशक- अजय झा। दोसर फ़िल्म के नाम अछि 'प्रेमक बरसए फुहार' संगे एकटा हिन्दी फिल्म ये इश्क़' मे सेहो संगीत दऽ रहल छथि।

इहो पढ़ब :-

सोमवार, 25 मई 2015

सीबीएसई 12वीं मे मैथिली देशक दोसर नंबर पर, सपना आइएएस बनवा के

मिथिला धरोहर, दिल्ली : केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई) की १२वीं के परीक्षाक रिजल्ट सोमदिन लगभग १२बजे घोषित कैल गेल। एहिमे एमिटी इंटरनेशनल स्कूल नोएडा के मैथिली मिश्रा देश मे दोसर नंबर के टॉपर बनल छथि, संगे जिला मे टॉप केलक अछि। सीबीएसई 12वीं के परीक्षा मे मैथिली मिश्रा देश मे दोसर नंबर और जिला मे पहिल नंबर के टॉपर छथि। पढ़ाई के संगेह मैथिली के पेंटिंग और नॉवेल पढवा के शौख छैन। ओ स्नातक और परास्नातक के पढ़ाई राजनीति शास्त्र विषय के संगे दिल्ली विश्वविद्यालय सँ करै चाहैत छैथ। मैथिली के सपना सिविल सर्विस के परीक्षा द आइएएस बनवा के अछि। 

इहो पढ़ब:-

मैथिली अपन मां अपर्णा झा, पिता बृज किशोर मिश्रा आ भाई सिद्धत के संगे नोएडा के सेक्टर 53 स्थित कंचनजंगा अपार्टमेंट मे रहैत छथि। मूल रूप सँ मिथिलांचल के भागलपुर के रहनिहार छथि। हिनक माता-पिता सुप्रीम कोर्ट मे वकील छैथ। मैथिली सीबीएसई के 12वीं के परीक्षा मे 99 फीसद अंक प्राप्त केलक अछि। मैथिली के इतिहास १०० फीसद अंक भेटल अछि, अर्थ शास्त्र मे सेहो १०० फीसद अंक भेटल अछि, सायकोलॉजी मे ९९ फीसद अंक, राजनीति शास्त्र मे ९८ आ अंग्रेजी मे सेहो ९८ फीसद अंक भेटल अछि।

मंगलवार, 19 मई 2015

मैथिली चुटकुला : Maithili Jokes - भूकंप के की समाचार ऐछ ?

1. एक बेरा एकटा व्यक्ति अपन बेटा के अपन जमाना के गप्प कैह रहल छल - बेटा, हमारा जमाना मे एकटा गहूंमक बोरा दस रुपया के आबैत छलै।
बेटा - बाबू , गहूंमक बोरा तऽ अखनो दसे रुपया के भेटैत छै। बस ओहिमे गहूंम नै होइत ऐछ।


2. मास्टर बच्चा सँ कहलक - ओ चोरी कऽ रहल ऐछ। एही वाक्य के भविष्य काल बताउ। 
बच्चा - सर ! एकर भविष्य काल ऐछ, ओ जेल जायत।


इहो पढ़ब:- 


3. फॅमिली परिचय
मिथिला के एकटा आदमी अपन परिवारक परिचय एही तरह सँ देलक।
१. इ छी हमर बीवी ...गूगल रानी ... एकटा सबाल पुछव त दसटा जबाब देती...!!!
२. इ छी हमर बेटा ... फेसबुक कुमार ... घरक सबटा गप्प टोल मे पहुंचेनाय...!!!
३. इ छी हमर बेटी ... ट्विटर मुकरी ... पूरा टोल एकरा फॉलो करैत ऐछ।
४. इ हमर माता जी ... व्हाटसएप्प माय ... पूरा दिन बड़-बड़ करैत रहैत ऐछ, मुदा कामक एककौ बात नै निकलैत ऐछ।
५. और हम, ऑरकूट कुमार ... हमरा कीओ पूछिते नै ऐछ।


4. साउस अपन दामाद के फोन केलक : भूकंप के की समाचार ऐछ ?
दामाद: भनसा घर मे खाना बना रहल छी, बात करेबैन की ?

इहो पढ़ब :-

सोमवार, 11 मई 2015

मिथिलांचल के खुशबू भेटत हिन्दी फिल्म "जय हो मुरारी बाबू" मे

मिथिला धरोहर, दिल्ली : मिथिला के परंपरागत विधि-व्यवहार पर आधारित बनी रहल एकटा हिन्दी फिल्म "जय हो मुरारी बाबू" मे मधुबनी जिला के 'फुलपरास' गाम के परिपेक्ष्य देखायल जायत। एकर शूटिंग के लेल गुजरात के सूरत शहर सँ सटक एकटा गाम मोतीफललोद मे मधुबनी के फुलपरास गाम के सेट तैयार कैल जा रहल अछि। फिल्म मे गामक नाम 'फुलपरास' राखल गेल अछि। फ़िल्म के शूटिंग अगिला २६ मई सँ होयत। 


फिल्म मे प्रख्यात हास्य अभिनेता असरानी फुलपरास गाम के मुखिया के भूमिका मे रहता। एही फिल्म मे मैथिली पारंपरिक गीत समदाउन संगे मिथिला के वैवाहिक बिध-वैवहार के तेखायल जायत। जाहिमे ठक-बक, पाग-दोपटा, चंगेरा, सुप, पथिया, आदि के उपयोग सेहो होयत। 

फिल्म के पटकथा लेखक और कलाकार सागर नाथ झा जे स्वयं फुलपरास गाम के छैथ। फ़िल्म मे असल पुट देबै के लेल फुलपरास सँ करीब १५ गोटे के सूरत लऽ जा रहल अछि। फुलपरास के विमल ठाकुर, शंकर झा, विजय कुमार यादव सहित दोसर आन कलाकार एही फिल्म मे अभिनय करता। संगे फिल्म मे झंझारपुर मे जनता कॉलेज मे कार्यरत त्रिपुरारी झा सेहो एकटा सशक्त भूमिका मे नजर एता। फिल्म मे लगभग दस गो संवाद लिखल गेल अछि। एही फिल्म के निर्देशन सुजान खान कऽ रहल छैथ। ओतय गैंग ऑफ वासेपुर मे फजलु भैया के किरदार निभावै वला संजय सिंह नायक भूमिका मे छैथ, आ बॉलीवुड अभिनेत्री नतालिया इलीना नायिका के भूमिका मे नजर औती। संगीत दऽ रहल छैथ विश्वजित भटाचार्य।

शुक्रवार, 8 मई 2015

विदेश मे शूटिंग भेल पहील मैथिलि फ़िल्म “मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड" (MMPL)

मिथिला धरोहर, दिल्ली : क्षेत्रीय भाखा मे एहन फ़िल्म निर्माण कुनो जुनूनी निर्देशक टा कऽ सकैत अछि। निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र किछु एहने जुनून लऽ के चलल छैथ। एक बेरा फेर सँ ओ मिथिलांचलक गाम मे छथि। एही बेरा हिनक भाखा मैथिलि अछि। फ़िल्मक नाम अछि 'मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड" और खास बात इ अछि जे ओ वास्तविक लोकेशन पर फ़िल्म शूट कऽ रहल छैथ। मैथिली सिनेमा के ५० बरख पूर्ण भऽ चुकल अछि, अपन प्रोडक्शन कंपनी चंपारन टॉकीज के दिस सँ ओ मैथिली सिनेमा के आदरांजलि दऽ रहल छथि, फ़िल्म “मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड" के रूप मे। बरख १९६५ मे पहिल मैथिली फ़िल्म कन्यादान प्रदर्शित भेल छल।
आबै वला एही फ़िल्म के फिल्मांकन न्युयोर्क आ टोरंटो के उपरान्त आब मिथिलांचल (दरभंगा) मे चलि रहल अछि। दरभंगा केर उपरान्त एहि फिल्मक शूटिंग  सुपौल आ नेपाल मे होयत। निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र के पूर्ण कोशिश अछि जे फ़िल्म के तकनीकी रूप सँ सर्वश्रेष्ठ तरीका सँ प्रस्तुत कैल जाय। ताहि लेल एही फ़िल्म मे सिनेमेटोग्राफर के रूप मे जस्टिन जे चैंबर्स जेहन दक्ष तकनिशियन के शामिल कैल गेल अछि। कलाकार रूप अधिसंख्य नाम एहेन अछि जे हिन्दी फिल्म उद्योग मे अपन प्रतिभा प्रदर्शित कऽ चुकल छथि। मुख्य भूमिका मे क्रान्ति प्रकाश, अनुरिता झा आ पंकज झा एहने नाम अछि। तहिना मैथिली रंगमंच केर माँ प्रेमलता मिश्र प्रेम संग अनेको परिपक्व अभिनेता-अभिनेत्रीक उपस्थिति अछि एहि फिल्म मे। प्रवेश मल्लिक केर संगीत मे सुरेश वाडकर आ श्रेया घोसाल केर मधुर गायन सेहो सुनवा के लेल भेटत। आय जे पहचान मराठी सिनेमा बनेलक अछि, वैह पहचान अगर मैथिलि फ़िल्म के भेटत तऽ नव सभ्यता विकसित होयत। मैथिली फिल्म लेल कैल गेल इ प्रयास निश्चित रूप सँ मैथिलि सिनेमा के वैश्विकता प्रदान करबाक मे सफल रहत, से शुभकामना अछि।

शनिवार, 2 मई 2015

मैथिलि फ़िल्म "ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह" के शूटिंग सुरु

मिथिला धरोहर, झंझारपुर : छ मार्च के प्रदर्षित भेल मैथिलि फ़िल्म 'जेहेन साउस तेहने पुतौह' के सफलता के बाद प्लेबैक इंटरटेनमेंट मिडिया बैनरक अधीन बनी रहल मैथिलि फ़िल्म "ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह" के मुहूर्त किछु दिन पहिले झंझारपुर के शांति नाथ महादेव स्थानक प्रागण मे एकटा शार्टक संग सुरु कैल गेल। 

एही फ़िल्म उदघाटन प्रसिद्ध चिकित्सक शंकर चौधरी द्वारा फीता काटी के कैल गेल। एही फ़िल्मक निर्माता छैथ विनोद कुमार आ फ़िल्म के निर्देशित कऽ रहल छैथ चंदन मिश्रा। फ़िल्म मे मुख्य कलाकारक भूमिका मे छैथ विनोद कुमार, मुस्कान त्रिपाठी, अनिल झा, जय शंकर चौधरी आदि। फ़िल्मक निर्देशक चंदन मिश्रा फ़िल्म बारे मे जानकारी दैत कहलैथ जे फ़िल्मक कहानी मूल विषय कन्या भ्रूण हत्या पर आधारित अछि। एही फ़िल्म निर्माण के चाइर सँ पाँच मास मे पूर्ण कऽ के दुर्गा पूजाक शुभ अवसर पर रिलीज करवाके अनुमान राखल गेल अछि।