...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

2 मई 2015

मैथिलि फ़िल्म "ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह" के शूटिंग सुरु

मिथिला धरोहर, झंझारपुर : छ मार्च के प्रदर्षित भेल मैथिलि फ़िल्म 'जेहेन साउस तेहने पुतौह' के सफलता के बाद प्लेबैक इंटरटेनमेंट मिडिया बैनरक अधीन बनी रहल मैथिलि फ़िल्म "ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह" के मुहूर्त किछु दिन पहिले झंझारपुर के शांति नाथ महादेव स्थानक प्रागण मे एकटा शार्टक संग सुरु कैल गेल। 

एही फ़िल्म उदघाटन प्रसिद्ध चिकित्सक शंकर चौधरी द्वारा फीता काटी के कैल गेल। एही फ़िल्मक निर्माता छैथ विनोद कुमार आ फ़िल्म के निर्देशित कऽ रहल छैथ चंदन मिश्रा। फ़िल्म मे मुख्य कलाकारक भूमिका मे छैथ विनोद कुमार, मुस्कान त्रिपाठी, अनिल झा, जय शंकर चौधरी आदि। फ़िल्मक निर्देशक चंदन मिश्रा फ़िल्म बारे मे जानकारी दैत कहलैथ जे फ़िल्मक कहानी मूल विषय कन्या भ्रूण हत्या पर आधारित अछि। एही फ़िल्म निर्माण के चाइर सँ पाँच मास मे पूर्ण कऽ के दुर्गा पूजाक शुभ अवसर पर रिलीज करवाके अनुमान राखल गेल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »