शुक्रवार, 20 अगस्त 2021

मैथिली मुड़न लोकगीत सग्रह - पारंपरिक मुंडन गीत लिरिक्स - Mundan Geet Lyrics, Muran Ke Geet

मुंडन संस्कार गीत Lyrics in Maithili

इहो पढ़ब:-


● हजमा धीरे-धीरे - मुड़न गीत
हजमा धीरे-धीरे कैंची तोँ चलबिहें
बौआ नञि कनबिहें ना

देबौ सूप भरि चाउर, ओइमे पांच टका निछाउर
हजमा बाबा जी सँ गैया तोँ खोलबिहें
बौआ नञि कनबिहें ना

देबौ सूप भरि चाउर, ओइमे दस टका निछाउर
हजमा नाना जीसँ महिंस तों खोलबिहें
बौआ नञि कनबिहें ना

देबौ सूप भरि चाउर, ओइमे बीस टका निछाउर
हजमा बाबूजी सँ घड़ी तो खोलबिहें
बौआ नञि कनबिहें ना



● हजमा रे धीरे-धीरे कटिहैं बौआ के केश

हजमा रे धीरे-धीरे कटिहैं बौआ के केश
कि बौआ बड़ दुलारू छै रे

बौआ के मामी हजमा तोरे देबौ रे
हजमा रे धीरे-धीरे कटिहैं बौआ के केश
कि बौआ बड़ दुलारू छै रे

बौआ के मामी भार पठौलखिन
बौआ के मामी भार पठौलखिन
ठकुआ तोरे देबौ रे, केरा तोरे देबौ रे
हजमा रे धीरे-धीरे कटिहैं बौआ के केश
कि बौआ बड़ दुलारू छै रे

बौआ के नाना धोती पठेलखिन
धोती तोरे देबौ रे, पियर मे रंगि के देबौ रे
हजमा रे धीरे-धीरे कटिहैं बौआ के केश
कि बौआ बड़ दुलारू छै रे



● हृदय मध्य लागल  लिरिक्स

हृदय मध्य लागल कसाय हे
सखी केओ ने छोड़ाबे
एक तऽ छोड़ाबय अम्मा हे
जे कि ओद्रमे राखे
छाबा मध्य लागल कसाय हे
सखी केओ ने छोड़ाबे
एक तऽ छोड़ाबय चाची हे
जे कि गोदमे खेलाबे
बाँहि मध्य लागल कसाय हे
सखी केओ ने छोड़ाबे
एक तऽ छोड़ाबय भौजी हे
जे कि नयनमे राखे
माथ मध्य लागल कसाय हे
सखी केओ ने छोड़ाबे
एक तऽ छोड़ाबय पीसी हे
जे कि नोतल आबे



● हमरा के मोरंग जाय दऽ लिरिक्स

हमरा के मोरंग जाय दऽ हे बबुये के माय
मोरंग जयबऽ, कतेक दिन रहबऽ
हमरा लय की-की लयऽ हे बबुये के बाप
मोरंग जयबऽ बरिस दिन रहबऽ
तोरो लय सौतिन लयबऽ हे बबुये के माय
हमरा के नैहर जाय दऽ हे बबुये के बाप
नैहर जयबऽ कतेक दिन रहबऽ
हमरा लय की-की लयबऽ हे बबुये के माय
नैहर जयबऽ नौ दिन रहबऽ
नौ टा बेटा जनमयबऽ हे बबुये के बाप
नबो बेटा के मूड़न करबऽ
सब के नौता पठयबऽ हे बबुये के बाप
सब नौतहारिन के डोली-महफा
तोरो के पैदल बजयबऽ हे बबुये के बाप
सब नौतहारिन के तोसक-तकिया
तोरो के भुइयां लोटयबऽ हे बबुये के बाप
सब नोतहारिन के पीरे-पीताम्बर
तोरो के बिष्ठी पहिरयबऽ हे बबुये के बाप
सब नोतहारिन के पूरी-जिलेबी
तोरो के पत्तल चटेबऽ हे बबुये के बाप



इहो पढ़ब :- 


● केहन कठोर अहाँ भेलिऐ लिरिक्स

केहन कठोर अहाँ भेलिऐ यो भैया
पहिले बेटा के मूड़न केलौं
बहिनी बिदागरी बिसरलौं यो भैया
केहन कठोर अहाँ भेलिऐ
चौवन्नी ने लेबै, अठन्नी ने लेबै
असर्फीमे कोंढ़ा लगेबै यो भैया
केहन कठोर अहाँ भेलिऐ
गायो ने लेबै, महिसियो ने लेबै
दुअरे पर बरदा खोलेबै यो भैया
केहन कठोर अहाँ भेलिऐ
सेर नहि लेबै, सम्पत्ति नहि लेबै
अंगनेमे लग्गी खसेबै यो भैया
केहन कठोर अहाँ भेलिऐ



● कहाँसँ हजमा एलै लिरिक्स

कहाँसँ एलै बौआक पीसी, लगाबय दही
फल्लाँ गामसँ हजमा एलै, फल्लाँ गामसँ बाबा
चिल्लाँ गामसँ एलै बौआक पीसी, लगाबय दही
कीये बैसक हजमा देबै, कीये बैसक बाबा देबनि
कीये बैसक देबनि बौआक पीसी, लगाबय दही
आसन बैसक हजमा देबै, सिहासन बैसक बाबा
खढ़ तर बैसक देबनि बौआक पीसी, लगाबय दही
कीये पहिरन हजमा देबै, कीये पहिरन बाबा देबनि
कीये पहिरन देबनि बौआक पीसी, लगाबय दही
पीरे पहिरन हजमा देबै, पीताम्बर पहिरन बाबा देबनि
गदरी पहिरन देबनि बौआक पीसी, लगाबय दही
कीये भोजन हजमा देबै, कीये भोजन बाबा देबनि
कीये भोजन देबनि बौआक पीसी, लगाबय दही
पूरी भोजन हजमा देबै, खीर भोजन बाबा देबनि
पत्तल चटेबनि बौआक पीसी, लगाबय दही



● कोने बाबा छुड़िया गढाओल - Kone Baba Churiya Lyrics

कोने बाबा छुड़िया गढाओल सोना सँ मढ़ाओल हे,
आहे कोने दादी लेती जन्मकेश होड़ीलाजी के मुड़न हे,

आहे अपने बाबा छुड़िया गढाओल सोना सँ मढ़ाओल हे,
आहे अपने दादी लेल जन्मकेश होड़ीला जी के मुड़न हे,

कोने बाबा महल बनाओल गहना गढ़ाओल हे,
आहे कोने दादी पहिरथी पटोर होड़ीला जी के मुड़न हे,

आहे छोटका बाबा महल बनाओल गहना गढ़ाओल हे,
आहे छोटकी दादी पहिरथी पटोर होड़ीला जी के मुड़न हे



● लट गेंदवा बबुआ के 

लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश
लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश

कथी पोसल बौआ कथी के पोसल केश
कथी पोसल बौआ कथी के पोसल केश
लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश

दूध पोसल बौआ तेले पोसल केश
दूध पोसल बौआ तेले पोसल केश
लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश

के देलखिन छुरबा के लेलखिन केश
के देलखिन छुरबा के लेलखिन केश
लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश

बाबा देलखिन छुरबा दादी लेलखिन केश
बाबा देलखिन छुरबा दादी लेलखिन केश
लट गेंदवा बबुआ के घुरमल-घुरमल केश



इहो पढ़ब :- 


● लाल बचा के मूड़न - 

लाल बचा के मूड़न छलनि
तेँ हम नैहर अयलौं हो लाल
सोना के जे काड़ा मट्ठा
रूपा के करपैरी हो लाल
खासा मलमल के अंगा - टोपी
चौंसठ लागल फुदनियां हो लाल
खोना खराम चढ़ि भैया भौजो सँ पुछथिन
की-की बहिनो लयली हो लाल
कासा - पित्तर के काड़ा - मट्ठा
लोहा के करपैरी हो लाल
कारी कम्मल के अंगा ओ टोपी
दुइ-चारि लागल फुदनियां हो लाल
सोना खराम चढ़ि भैया भौजोसँ पुछथिन
की-की बहिनो लऽ जेती हो लाल
घर पछुअरबा मे बेलक गछिया
ताहिमे रेशम के डोरिया हो लाल
नन्दो के बान्हब, नन्दोसियो के बान्हब
ताहिमे ननदोक भैया हो लाल
एमकी के बेरिया छोड़ि दऽ हे भौजो
आब नहि नैहर एबै हो लाल
सौ लय एलौं, पचासस नहि पूरल
मूरोमे भऽ गेल हानियें हो लाल



● कोने बाबा पोखरि खुनाओल | नेहेबा कालक गीत

कोने बाबा पोखरि खुनाओल
कि घाट बनाओल हे
कोने बाबा भरथि जुड़ी पानि
कि बरुआ नहाबथि हे

फल्लाँ बाबा पोखरि खुनाओल
कि घाट बनाओल हे
फल्लँ बाबा भरू जुड़ी पानि
कि बरुआ नहायब हे



● छोटे बड़े ललन के चुमाबहु | चुमाबय कालक गीत

छोटे बड़े ललन के चुमाबहु हे
छोटे से रामचन्द्र छोटे भैया लछुमन
छोटे ललन के चुमाबहु हे
छोटे बड़े ललन के चुमाबहु हे

स्वर्ण कलश लय पुरहर साजल
मानिक दियरा जराबहु हे
छोटे बड़े ललन के चुमाबहु हे

काँचहि बाँस केर डलबा बुनाओल
केरा ओ नारियल धराबहु हे
छोटे बड़े ललन के चुमाबहु हे

चुमबय बैसलीह मातु कौशिल्या
सखि सब मंगल गाबहु हे
छोटे बड़े ललन के चुमाबहु हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !