...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

12 मई 2015

कोने बाबा छुड़िया गढाओल लिरिक्स - मुड़न लोकगीत

Kone Baba Churiya Gadhaol Lyrics

कोने बाबा छुड़िया गढाओल सोना सँ मढ़ाओल हे,
आहे कोने दादी लेती जन्मकेश होड़ीलाजी के मुड़न हे,

आहे अपने बाबा छुड़िया गढाओल सोना सँ मढ़ाओल हे,
आहे अपने दादी लेल जन्मकेश होड़ीला जी के मुड़न हे,

कोने बाबा महल बनाओल गहना गढ़ाओल हे,
आहे कोने दादी पहिरथी पटोर होड़ीला जी के मुड़न हे,

आहे छोटका बाबा महल बनाओल गहना गढ़ाओल हे,
आहे छोटकी दादी पहिरथी पटोर होड़ीला जी के मुड़न हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »