शुक्रवार, 22 जनवरी 2016

Writer Pandit Madhukant Madhukar Bio | मिथिला के दोसर विद्यापति पंडित मधुकांत मधुकर

मिथिला धरोहर, सहरसा : मिथिला के दोसर विद्यापति के रूप मे चर्चित सहरसा जिलाक चैनपुर ग्राम निवासी पंडित मधुकांत मधुकर जी केर ९४वां जन्म दिन मंगलदिन के धूमधाम सँ मनायल गेलनि। एकटा अप्रितम शिवभक्त और संस्कृत संगेह मैथिली भाषा साहित्य के श्रष्टा के रूप मे मानल जाइत छथि।श्री मधुकांत मधुकर जी अपन पिता स्वरूप लाल झा और माता छेदनी देवी के निरंतर प्रयास सँ शिक्षा-दीक्षा प्राप्त कऽ शिक्षक पद के बखूबी दायित्व निर्वहन केलनि। अपन शिक्षण पेशा के संगेह लेखन कार्य मे सेहो महारत हासिल केलनि। 

इहो पढ़ब :-

१९६८ सँ १९७४ धरि मधुकर बाबा आकाशवाणी पटना मे योगदान दऽ सांस्कृतिक प्रवचन के माध्यम सँ  समाज के नवचेतना प्रदान केलथि। हुनक प्रकाशित रचना मे समाज सौगात नवीन नचारी अभिनव नचारी, मधुकर नचारी, नीलकंठ मधुकर पदावली समलित अछि। ओहि प्रकार नारद भक्ति सूत्र केर मैथिली अनुवाद सेहो कऽ मिथिला के नव दिशा आ ऊंचाई प्रदान केलनि। मधुकर बाबा १९७१ मे नीलकंठ कमरथुआ संघ के स्थापना केलनि जे परम्परा आयो चली रहल अछि। ताहिके अंतर्गत माघ मास मे हजारों कमरथुआ हरे-राम हरे राम..हरे-कृष्ण केर कीर्तन कऽ बैद्यनाथ धाम जा रहल छथि। मधुकर बाबा मिथिला मे अध्यात्म आ समाजसेवा के नव आयाम देलनि। हुनकर दीर्घायु जीवनक कामना करते हुनक द्वारा मैथिली एवं संस्कृत साहित्यक क्षेत्र मे हुनक उल्लेखनीय कार्य के देखैत हुनका मिथिला रत्न आ साहित्य अकादमी के द्वारा पुरस्कृत कैल जेवाक ग्रामीणों सब मांग केलैथ अछि।

शनिवार, 9 जनवरी 2016

एहि एप'क जरिए विदेशी सेहो सीख सकता मैथिली

मैथिली भाषा आब सेहो हाईटेक भ रहल अछज। मैथिली मे वेबसाइट त बहुते अछि। मुदा पहिल बेर एकटा मोबाइल एप बनायल गेल अछि। मैथिली साहित्य संस्थान, पटना के लेल इ एप इंटर पास युवक अच्युत तैयार केलैथ छथि। एहि एप'क माध्यम आब गैर मैथिली भाषी सेहो आसानी सँ मैथिली सीख स्कताह। आबय वला दिन मे एहि मदद सँ जर्मन, फ्रेंच भाषी सेहो जर्मनी और फ्रांस मे बैसले मैथिली सीख सकताह। मैथिली भाषा के पहिल एप के लोकार्पण शुक्रवार भेल अछि

संस्थान के सचिव भैरवलाल दास और कोषाध्यक्ष डा.शिव कुमार मिश्रा के मुताबिक एहि एप के किओ भी अपन एंड्रॉयड मोबाइल पर आसानी सँ डाउनलोड क सकैत अछि। शुरुआत मे त एहि पर संस्थान सँ जुड़ल सबटा जानकारियां उपलब्धकैल जायत। संगेह मिथिलांचल के समृद्ध कला-संस्कृति, मैथिली के गीत, साहित्य आ धरोहर के जानकारी भेट सकत। धीरे-धीरे एहि मैथिली सीखबाक ट्रेनिंग सेहो देल जायत।

एहि लेल ऑडियो और वीडियो सेहो एहि पर अपलोड कैल जायत। एहि एप के प्रयोग यूपीएससी के परीक्षा मे बैसय वला मैथिली भाषा के परीक्षार्थी सेहो क सकताह। एहि एप'क मदद सँ आब छात्र-छात्रा दिल्ली, मुंबई केतओ भी घर बैसल मैथिली के तैयारी क सकता। एहि एप के विकसित केनिहार अच्युत अमेरिका के दु विश्वविद्यालय मे इंजीनियरिंग मे नामांकन के लेल पात्रता परीक्षा पास केने छथि।
Report : Live हिन्दुस्तान

बुधवार, 6 जनवरी 2016

मैथिली सिनेमा मे प्राण फुकत “मिथिला मखान"

मिथिला धरोहर, दिल्ली, प्रभाकर मिश्र : क्षेत्रीय भाखा मे एहन फ़िल्म निर्माण कुनो जुनूनी निर्देशक टा कऽ सकैत अछि। निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र किछु एहने जुनून लऽ के चलल छैथ। एक बेरा फेर सँ ओ मिथिलांचलक गाम मे छथि। एही बेरा हिनक भाखा मैथिलि अछि। फ़िल्मक नाम अछि 'मिथिला मखान" और खास बात इ अछि जे ओ वास्तविक लोकेशन पर फ़िल्म शूट कऽ केने छैथ। मैथिली सिनेमा के ५० बरख पूर्ण भऽ चुकल अछि, अपन प्रोडक्शन कंपनी चंपारन टॉकीज के दिस सँ ओ मैथिली सिनेमा के आदरांजलि दऽ रहल छथि, फ़िल्म “मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड" के रूप मे। बरख १९६५ मे पहिल मैथिली फ़िल्म कन्यादान प्रदर्शित भेल छल।

इहो जरूर पढ़ब :-



आबै वला एही फ़िल्म के फिल्मांकन न्युयोर्क आ टोरंटो के उपरान्त मिथिलांचल (दरभंगा), सुपौल आ नेपाल कैल गेल अछि। निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र के पूर्ण कोशिश अछि जे फ़िल्म के तकनीकी रूप सँ सर्वश्रेष्ठ तरीका सँ प्रस्तुत कैल जाय। ताहि लेल एही फ़िल्म मे सिनेमेटोग्राफर के रूप मे जस्टिन जे चैंबर्स जेहन दक्ष तकनिशियन के शामिल कैल गेल अछि। कलाकार रूप अधिसंख्य नाम एहेन अछि जे हिन्दी फिल्म उद्योग मे अपन प्रतिभा प्रदर्शित कऽ चुकल छथि। मुख्य भूमिका मे क्रान्ति प्रकाश, अनुरिता झा आ पंकज झा एहने नाम अछि। तहिना मैथिली रंगमंच केर माँ प्रेमलता मिश्र प्रेम संग अनेको परिपक्व अभिनेता-अभिनेत्रीक उपस्थिति अछि एहि फिल्म मे। प्रवेश मल्लिक केर संगीत मे सुरेश वाडकर आ श्रेया घोसाल केर मधुर गायन सेहो सुनवा के लेल भेटत। आय जे पहचान मराठी सिनेमा बनेलक अछि, वैह पहचान अगर मैथिलि फ़िल्म के भेटत तऽ नव सभ्यता विकसित होयत। मैथिली फिल्म लेल कैल गेल इ प्रयास निश्चित रूप सँ मैथिलि सिनेमा के वैश्विकता प्रदान करबाक मे सफल रहत, से शुभकामना अछि।