...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

5 नव॰ 2016

आगे माई एहन उमत बर लाइल लिरिक्स - विद्यापति

Aage Mai Ehan Umat Bar Lail Lyrics

आगे माई एहन उमत बर लाइल हिमगिरि देखि-देखि लगइछ रंग। 

एहन बर घोड़बो न चढ़इक जो घोड़ रंग-रंग जंग॥ 

बाधक छाल जे बसहा पलानल साँपक भीरल तंग। 

डिमक-डिमक जे डमरू बजाइन खटर-खटर करु अंग॥ 

भकर-भकर जे भांग भकोसथि छटर-पटर करू गाल। 

चानन सों अनुराग न थिकइन भसम चढ़ावथि भाल॥ 

भूत पिशाच अनेक दल साजल, सिर सों बहि गेल गंग। 

भनइ विद्यापति सुन ए मनाइन थिकाह दिगंबर अंग॥ 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »