अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
26 फ़र॰ 2014
बाबा भूतनाथ मंदिर : महिनाम-पोहद्दी, बेनीपुर
मिथिला धरोहर, प्रभाकर मिश्रा, दरभंगा, बेनीपुर : क्षेत्र के महिनाम-पोहद्द गांव स्थित कमला नदी के तट पर दू सौ वर्ष पुरानका बाबा सिद्धेश्वरनाथ मंदिर मे सावन'क प्रत्येक सोमवार के रूद्राभिषेक होइत अछि ( Baba BhutNath Mandir, Mahinam Pohaddi, Benipur )। मंदिरक स्थापना दू सौ वर्ष पूर्व जोगियारा स्टेटक मालिक ललित प्रसाद के वंशज केने छलाह। एकर रखरखाव के लेल १७ बीघा जमीन दान मे देने छलाह। इ अखनो मंदिर के संपत्ति अछि।
बुजुर्ग सबक कहबा अछि जे मंदिर मे माघी पूर्णिमा, कार्तिक पूर्णिमा, शिवरात्री आ सावन मे बाबा भूतनाथ के विशेष पूजा कैल जाइत अछि। ओय अवसर पर एतय मेलो लागैत अछि। शिवलिंग वाल इ मंदिर मे जे भक्त निक मुन सँ बाबा भूतनाथ के पूजा करैत अछि, ओकर मनोकामना अवश्य पूर होइत अछि। मंदिर के स्थापना के बाद एकर देखरेख सीताराम दास बाबा करैत छलाह। हुनकर देहांत भेला के बाद सँ एकर देखरेख चित्रकूट के महात्मा तपस्वी सरकार द्वारा कैल जा रहल अछि। तपस्वी सरकार द्वारा मंदिर प्रांगण मे बहुते विकासात्मक कार्य मे महिनाम, पोहद्दी सजनपुरा आ कटवासा गांम के लोग बहुते सहयोग क रहल अछि।
बाबा भूतनाथ मंदिरक संबंध मे पूर्व विधायक महेंद्र झा आजाद कहैत छथि जे जय जगह पर मंदिर के स्थापना भेल छल ओतय पहिले शमशान घाट छल। बाबा सिद्धेश्वरनाथ मंदिर के स्थापना के बाद एही मंदिर के नाम बाबा भूतनाथ मंदिर भ गेल। अय मंदिर के पर्यटक स्थलक रूप मे घोषित करवाक लेल धार्मिक न्यास बोर्ड के अध्यक्ष किशोर कुणाल द्वारा चयन क लेल गेल अछि। इ प्रस्ताव अखन सरकार लंग अछि।</
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/02/blog-post_28.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/sunu-samadhi-minati-hamaro-yao-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Baba Bhootnath,
Darbhanga,
Mahinam,
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !