मंगलवार, 6 मई 2014

जोगारू बाबा: Funny Maithili Kavita

बाबा के उम्र भेल 76 क पार
प्रेम के चढ़लैन  नवका खुमार।
मुह म नै छैन एगो दांतों क नाम
बहिर छैन हुनकर दुनु कान।
बाबा क चर्चा अछि सगरो गाम
अपना बुझै छथिन सलमान खान।
मुह त छैन हुनक चुगला समान
खुलले रहैछ्न जेना पानक दुकान।
डाय करेलखिन केश आ दाढ़ी
मुह त छलैन हुनक पहिले सँ कारी।
माथा पर भेलैन हुनक भुत सवार
बियाहक लगबै छथिन अखनो जोगार।
बुराड़ी म हुनका लाजो नय होय छैन
अय उम्र म कुनो काजो नय होय छैन।
दलान पर बैस खाली गफे हंकै छैथ
खोंकी क के खाली कफे फेकै छैथ।
बाबा क उम्र भेल 77 क पार
गैरेज म राखल जेना पुरनका कार।
किया खराब केलो गमक हावा
अय उम्र में तनी सुधरु ने बाबा।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !