अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
6 मई 2014
जोगारू बाबा: Funny Maithili Kavita
बाबा के उम्र भेल 76 क पार
प्रेम के चढ़लैन नवका खुमार।
मुह म नै छैन एगो दांतों क नाम
बहिर छैन हुनकर दुनु कान।
बाबा क चर्चा अछि सगरो गाम
अपना बुझै छथिन सलमान खान।
मुह त छैन हुनक चुगला समान
खुलले रहैछ्न जेना पानक दुकान।
डाय करेलखिन केश आ दाढ़ी
मुह त छलैन हुनक पहिले सँ कारी।
माथा पर भेलैन हुनक भुत सवार
बियाहक लगबै छथिन अखनो जोगार।
बुराड़ी म हुनका लाजो नय होय छैन
अय उम्र म कुनो काजो नय होय छैन।
दलान पर बैस खाली गफे हंकै छैथ
खोंकी क के खाली कफे फेकै छैथ।
बाबा क उम्र भेल 77 क पार
गैरेज म राखल जेना पुरनका कार।
किया खराब केलो गमक हावा
अय उम्र में तनी सुधरु ने बाबा।
Tags
Kavita
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/05/blog-post_6.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/05/juir-sheetal-pic.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Kavita
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !