शनिवार, 26 मई 2018

वन देवी दुर्गा मंदिर, सुगौना (बसौली)

मिथिला मे एक स एक स्थान अछि जतय जाकय किछु पल शान्ति स बितायल जा सकैयै । दरभंगा रहिका पथ पर तीर्थ स्थली कपिलेश्वर स दू किलोमीटर दक्षिण बसौली पंचायतक सुगौना गामक ( BASAULI,  SUGAUNA, RAHIKA ) निर्जन बाध मे सघन वरक गाछक वन मे अवस्थित अछि वन देवी दुर्गा मंदिर । एकर प्रधान पुजारी एही गामक भूतपूर्व मुखिया श्री राम औतार यादव कहै छथि जे एतय सघन वन छल । दिनो मे केओ नहि अबै छल । एही सघन वन मे माता वन देवी दुर्गा विराजमान छथि । एतय एला स सबहक मनोकामना पूर्ण होइ छै। गाछ सभ मे मां दुर्गाक आ महिषासुरक आकृति सभ सेहो बनल अछि ।छाग बलि हेतु महिषा सेहो बनल अछि जतय भक्तगण माता के छाग बलि द अराधना करै छथि । मिथिलाक शक्ति पूजा परंपराक जीवंत आस्था स्थल थिक इ स्थान । घंटो बैसब मोन नहि अघायत । बड़ शांति आ सुकून भेटैत छै गाछक छाया मे बनाओल चबूतरा सब पर बैसि क समय बितेबा मे । कने आबि क देखियौ ।
जय मां वन देवी दुर्गा।

साभार : Rewati Raman Jha

1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !