शुक्रवार, 30 अक्तूबर 2020

ताना के परबाह नै, सफलता दिया के चूमय अछि कदम

जिनगी मे गीत-संगीत के बड़ महत्व अछि। एकरा बगैर जीवन नीरास सन लागैत अछि। मैथिली गीत-संगीत मिथिलाक माटी सं जोड़ल राखैत अछि। अहि दौर मे मैथिली गीत आ एक्टिग के क्षेत्र मे दिया चौधरी ( Diya Chaudhary ) अपन सफलताक परचम लहरा रहल छथि। मधुबनी जिला सं सटल न्यू चकदह गांव (New Chakdah, Madhubani ) के 24 वर्षीय दिया चौधरी नाट्य मंचन के क्षेत्र मे सेहो अपन महती पहचान बना चुकल छथि। तीनटा मैथिली फिल्म आ एक दर्जन सं बेसी नाट्य मंचन के संग अपन प्रतिभा बिखेरय बाली दिया मैथिली गीत-संगीत के अपन करियर बना चुकल छथि।

अहि क्षेत्र मे करीब पांच वर्ष धरि संघर्ष के उपरांत भेटल कामयाबी सं बेसी आगु निकलै लेल आतुर दिया नबका कलाकार के सेहो प्रोत्साहन द रहल छथि। महज पांच वर्ष मे दिया नाट्य मैथिली फिल्म आ गीत संगीत के दुनिया मे खूब थोपरि बटोइर रहल छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !