रविवार, 10 जनवरी 2021

मिथिलाक बेटी श्वेता झा के सिंगापुर डिवीजन दिस सं उत्कृष्ट मैडम-2020 के पुरस्कार देल गेलनि

मिथिला पेंटिंग के विश्व प्रसिद्ध कलाकार आ मंगरौनी गांव के बेटी, जयनगर के पुतौह श्वेता झा ( Shweta Jha Mithila Painting Artist ) एक बेरा फेर अपन उपल्बधि के दम पर मिथिला के नाम गौरवान्वित केलनि। अहि बेरा सिंगापुर डिवीजन के दिसन सं हुनका उत्कृष्ट मैडम 2020 पुरस्कार सं सम्मानित कैल गेलनि। सिंगापुर मे आयोजित अहि प्रतियोगिता मे शामिल ओ एक मात्र भारतीय छलथि। चीन, हांगकांग आ सिंगापुर के 31 सेमीफाइनलिस्ट आ 21 फाइनलिस्ट के पाछु छोइर इ पुरस्कार प्राप्त केलनि।

श्वेता झा वर्तमान मे मिथिला चित्रकला के नव ऊँचाई पर पहुंचेबाक लेल सिंगापुर मे तितली फाउंडेशन के स्थापना केलनि हं जतय ओ विदेश मे रही भारतीय आ विदेशि के मिथिला पेंटिंग के महत्ता सं अवगत करा रहल छथि।

श्वेता झा के पूर्व मे कला के क्षेत्र मे उत्कृष्ट प्रदर्शन के लेल असगरे भारत आ सिंगापुर नै बल्कि विश्व के कतेको देश'क संस्था के द्वारा सम्मानित कैल जा  चुकल छनि। अमेरिका, स्पेन, इटली,दक्षिण काेरिया, जापान, रूस, इराक संगे कतेको देश के संस्थान के द्वारा श्वेता झा के सम्मानित कैल जा चुकल छनि। जेना - क्लब फॉर यूनेस्को अवार्ड्स एंड ऑनर्स (इटली - 2015), विशेष श्रेणी स्वर्ण पदक, कहरामना आर्ट एसोसिएशन (बग़दाद - 2015), जेरवास आर्ट आर्गेनाइजेशन द्वारा स्पेशल अवार्ड , मास्को आर्ट सिम्पोजियम (2016), इंटरनेशनल अवार्ड - टैलेंट एंड प्रोफेशनल्स (स्पेन -2017), मेट्रोपोलिटन एम्पायर प्राइज (न्यूयार्क - 2017), इंटरनेशनल क्राफ्ट्स अवार्ड (2018), डॉ तान तसजे कोर अवार्ड (सिंगापुर -2018)प्रेसिडेंट ऑफ़ जेरवास आर्ट क्लब (सिंगापुर) आदि।

श्वेता झा के जीएमआर एसोसिएट नई दिल्ली मे मेनका गांधी के द्वारा इंटरनेशनल क्राफ्ट वुमेन ऑफ द ईयर के अवार्ड सं सेहो सम्मानित कैल जा चूकल छनि। 

श्वेता झा इटली के कोस्टांज फाउंडेशन के सेहो ब्रांड एंबेस्डर रही चुकल छथि। संगेह साउथ अफ्रिका के इंटरनेशनल कल्चर एंड आर्ट फाउंडेशन के एक्सपर्ट मेंबर छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !