...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

19 फ़र॰ 2021

हिल बदरि कुच पुन नवरंग | विद्यापति

हिल बदरि कुच पुन नवरंग। 
दिन-दिन बाढ़ए पिड़ए अनंग।
से पुन भए गेल बीजकपोर। 
अब कुच बाढ़ल सिरिफल जोर।
माधव पेखल रमनि संधान। 
घाटहि भेटलि करइत असनान।
तनसुक सुबसन हिरदय लाग। 
जे पए देखब तिन्‍हकर भाग।
उर हिल्‍लोलित चांचर केस। 
चामर झांपल कनक महेस।
भनइ विद्यापति सुनह मारारि। 
सुपुरुख बिलसए से बर नारि।

रचनाकार - विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »