अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
7 मार्च 2020
कक्का हौ कक्का हौ मोटरवाला कक्का हौ
कक्का हौ कक्का हौ
मोटरवाला कक्का हौ
पहिने छलहक दुग्गी-तिग्गी
आब कोना तों छक्का हौ।
पहिरै छलहक साँची-धोती
कुर्ता डोपटा पाग हौ
एक्कहि बेर कलकत्ता गेने
जगलह तोरो भाग हौ
बदलि अङगरखा सूटमे लागह
गिरगिट नांगरि छट्टा हौ....कक्का हौ
बाँचै छलहक अप्पन भाखा
रामायण आ‘ गीता हौ
आब फिलिम के ट्यून गबै छह
नाम जपै छह रीटा हौ
बङगरेजी बाजैत लगै छह
भाकुर सन मुँहफट्टा हौ...कक्का हौ
पाबै छलहक घर-घर जलखै
छलह खेत सब भरना हौ
आब कोनाकऽ सौंसे दुनियाँ
लगा रहल छह लहना हौ
कोनकऽ सिखलह मूड़ब अनका
तों पकिया घेंटकट्टा हौ-कक्का हौ
Tags
Chandramani Jha
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/jai-shiv-shankar-bhole-dani-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/03/khonichh-kholaba-kaal-maithili-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Chandramani Jha
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !