...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

8 जुल॰ 2026

विद्यापति कथा ग्रन्थ पुरुष परीक्षा - vidyapati purush pariksha katha granth

पुरुष परीक्षा (Purush Pariksha) 

लेखक: महाकवि विद्यापति

ग्रन्थ रचना काल : चौदहवीं (14th) सं पंद्रहवीं (15th) शताब्दी 

ग्रन्थक बारे में: विद्यापतिक पुरुष परीक्षाः ई ग्रन्थ महाराजा शिव सिंहक आदेश पर विद्यापति द्वारा रचित "पुरुष परीक्षा" क कथा सुनाबैत अछि। ई पञ्चतंत्र परम्पराक शिक्षाक उदाहरण दैत अछि। "पुरुष परीक्षा" मे चारिटा कथा अछिः वीर कथा, सुबुद्धि कथा, सुविद्यकथा, आ पुरुषार्थ कथा। 

भाग 1: चोरक कथा
संसारमे जाहि लोककेँ विवेक नञि रहैछ से चोर बनैछ, जकरामे शौर्य नञि से कायर कहबैछ ओ जकरामे उत्साह नञि हो से लोक आलसी भऽ जाइत अछि। जकरामे विवेक रहैत छै तकरामे दया, दान आदिक नीक वृत्ति आबि जाइ छै, मुदा जकरामे विवेक नञि रहै छै तकरामे तँ सभटा अधलाहे वृत्ति (दुर्गुणे) रहै छै। ओ चोरि करऽ लागि जाइत अछि। जकरामे शूरता रहै छै, मुदा विवेक नञि रहै छै ओ निश्चय पाप (अधलाह काज) करऽ लगैत अछि। जेना ‘सरीसृप’ नीक काज करबामे समर्थो छल तैयो चोर भऽ गेल।

उज्जयिनी नगरीमे विक्रमादित्य नामक राजा छला। हुनका एकदिन चोरि देखबाक इच्छा भेलनि तँ ओ भिखारिक वेष धऽ अपने नगरमे कोनो देवालय लग जा बैसला। जखन निशीथ राति भेलै तँ चारिटा चोर आबि कऽ अपनामे विचार करऽ लागल- ई जे घरसँ खेबाक सामग्री आनल अछि से एहिठाम खा दमगर भऽ नगरमे पैसी। विक्रमादित्य बजला- ऐँठ-कुठ हमरा दैत जायब। चोर सभक कान ठाढ़ भेलै, बाजल- रे! तोँ के थिकेँ? राजा कहलनि-हम भिखारि थिकहुँ, भूखेँ आँट छी चलि नञि होइत अछि, तेँ एतऽ पड़ल छी। चोर सभ तर्क केलक जे जखन नगरक बाट-घाटक पता लगा रहल छलहुँ, तखनो एकरा एत्तहि देखने छलियै। पुनि बाजल- रे कल्लर! एखन धरि तोँ एत्तहि किए छेँ? राजा कहलनि- दर्शनार्थी यात्री सभसँ भीख माङऽ एतऽ आयल छलहुँ, भीख नञि भेटल तँ अनतऽ कतऽ जैतहुँ, भूखल तते छी जे एत्तहि पड़ि रहलहुँ। चोर सभ बजल- जँ ऐँठ-कुठ देबौ तँ तोँ हमरा लोकनिक कोन उपकार करबेँ? राजा कहलनि- बड़का-बड़का  धनिकक घर देखा देब आ चोराओल वस्तुजातकेँ ऊघि देब। चोर सभ बाजल- बेस तँ, तखन रह, भेटतौ ऐँठ-कुठ। आब चोर सभ खेलक आ विक्रमादित्यकेँ  ऐँठ-कुठ देलकनि। ओ ओकरा खप्परमे लऽ बेताल द्वारा फेकबा देलनि आ कहल-वाह! आइ अहाँ लोकनिक प्रसादेँ हम कृतार्थ भऽ गेलहुँ। चोर सभमे ‘सरीसृप’ नामक जे मुखिया चोर छल, से बाजल- हे! हम सगुनशास्त्रकेँ खूब पढ़ने छी तेँ गीदर की बजैत अछि से हम बुझि जाइ छियै। आन चोर सभ बाजल-   तँ अकानऽ गीदर की बजैत अछि। सरीसृप कहलक- मित्र लोकनि; सुनै जा, गीदर कहैत छऽ जे ‘तोरा लोकनिमे चारि गोटे चोर छऽ आ एक गोटे राजा।’ आन चोर सभ बरजल- हमरा लोकनि चारू गोटे तँ अपनामे सभकेँ-सभ चिन्हिते छी, तखन ओ पाँचम तँ कल्लर थिक; दिनोमे तँ ओकरा देखनहि छलियै आ देखै छी जे ऐँठो लेलक अछि। तखन राजाक सन्देहे कोन? सरीसृप कहलक- गीदरक कथा तँ फूसि नञि भऽ सकै छै। आन चोर सभ बाजल- जकरा हम रातिमे देखै छी तकरा दिनोमे चीन्हि जाइ छी। तेसर बाजल- जकर घरपर हम हाथ दै छियै तकर घरक धन-सम्पत्ति जानि जाइ छी। चारिम बाजल-सेन्ह मारबाक स्थानने जतेक रेखा कयल जाइत अछि ततेटा सेन्ह बिना आयासे भऽ जाइत अछि। पछाति राजा कहलिन- हमरा आगाँमे क्यौ बान्हल नञि रहैत अछि।

तखन अपनामे गप्प-सप्प कऽ पाँचो गोटा नगरमे पैसला। नगरपति (मुखिया) केर घरमे सेन्ह काटि बहुतरास धन चोरेलनि आ नगरक बाहर आबि, एकटा खाधि खूनि ओहि धनकेँ गाड़ि कऽ राखि देलनि। विक्रमादित्य अपन महल चलि एला। बादमे राजा सभा-भवनमे सभकेँ बजेलनि आ अपने सिंहसनपर जा बैसला। नगरक दण्डाधिकारीकेँ बजा कहलनि आनक भेद लेबा लेल अहाँ नियुक्त छी आ अहाँ रातुक बात किछु नञि बुझै छियै! जाउ पिचिण्डिल सूड़िक (कलालक) ओहिठाम चारिटा चोर दारू पिबैत होयत, ओकरा सभके ँ हथकड़ी लगा पकड़ि लाउ। दण्डाधिकारी प्रणाम कऽ विदा भेला ओ चोर सभकेँ पकड़ि अनलनि। चोरसभकेँ देखि राजा पुछलनि- संगी चोरसभ, की हमरा चिन्है जाइ छऽ? सरीसृप कहलक-  हम तँ तखने अपनेकेँ चीन्हि गेलहुँ, मुदा हमर ई संगी लोकनि वज्र मूर्ख छथि। गीदराक कहलकेँ फूसि मानैत गेल। हम की करू? संगी लोकनिक बातपर भसिया गेलहुँ।

ठीके छै नीति जननिहार जँ एकसरे काज करथि तँ ओ सुखी भऽ सकै छथि, मुदा जखने बहुत गोटाक बात मानै छथि तखने हुनक मति भसिआ जाइ छनि।

महाराज! केहनो ने जननिहार रहथु, केहनो ने बुधिआर रहथु आ केहनो ने काजमे चतुर रहथु, मुदा जखने ओ बहुत लोकक विचारक कादोमे जेता तँ ओहिमे फँसबे करता।

राजा पुछलनि- रे चोर सभ! आनक कथापर जे भसिआइत गेलेँ, तकर तँ सोच करै जाइ छेँ, मुदा अपन ज्ञानक दोषेँ जे भसिआइत जाइ छेँ, तकरा किए ने सोचैत जाइ छेँ? चोरसभ कहलक- हमरा लोकनि अपन ज्ञानक दोषेँ कोना भसिआइ छी महाराज? राजा कहलनि- तोरा सभ वीरक वृत्तिसँ निर्वाह कऽ सकै छऽ, तखन जे चोरक वृत्ति धेने छऽ, से तँ साफ-साफ भसिआयबे थिकऽ।

जाहि शूरताक प्रसादात आन लोक एहि भूखण्डमे धन-सम्पत्ति पाबि आनन्दसँ जीवन बितबैत अछि आ पण्डितमण्लीमे सभ प्रकारेँ पुण्य एवं निर्मल यश पबैत अछि, प्रशंसाक साधन ताहि शूरताकेँ रखैत तोरा सभ चोर कहा निन्दित बूझल जाइ छऽ। ओह, केहन दु:खक बात थिक। ठीके दुर्मति छोड़ब बड़ कठिन छै।
चोर सभ बाजल- जी, सत्ते, एहिमे दुर्मतिए अछि महाराज! राजा कहलनि- जँ से मनै जाइ छऽ तँ ओहि दुर्मतिकेँ किए ने छोड़ै जाइ छह? चोर सभ कहलक- महराज! की करू? गरीबी ओकरा छोड़ऽ दैत तखन ने। सत्य कही तँ गरीबिए हमरा लोकनिकेँ पापमे लगबैछ, दु:ख भोगबैछ, चोरि करबैछ, छल-प्रपञ्च सिखबैछ, दीन वचन बजबैछ आ नीचसँ नीचक ओहिठाम भीख मङबैछ। आह!   गरीबी हमरा लोकनिसँ की-की ने करबैछ।

राजा कहलनि- अरे! तोरा सभक गरीबी तँ तहिए गेलऽ जहिए हमरासँ मैत्री करैत गेलऽ। मैत्री तँ समानेमे होइछ। तोरा सभक संग मैत्री कऽ जँ हम थोड़बो काल चोर भेलहुँ तँ तोरा सभ हमरा संग मैत्री कऽ राजा किए नञि हेबऽ? तेँ आबो एहि दुर्मतिकेँ छोड़ऽ। चोर सभ कहलक- किए ने छोड़ब महाराज! राजा कहलनि- एखन तँ बेड़ीमे  ठोकल छऽ, तोँ सभ की-की ने मानबऽ!
दुष्ट जखन विवश भऽ जाइछ तँ जीहक सुखे कोन दोष नञि छोड़ैछ वा कोन गुण नञि गहैछ?

नञि कोनो क्षति, जँ फेर कुचालि चलबऽ तँ फेर यैह दशा पेबऽ। एतबा कहि राजा नगरपतिकेँ धन देआ देलनि आ चोर सभकेँ छोड़ि देलनि। ओकरा सभमे जे सरीसृप नामक मुखिया चोर छल, तकरा शाल्मलिपुरक राजा बना देलनि आ बहुत रास अशर्फी दऽ आनो चोर सभक गरीबी मेटा देलनि। आब दया आ कुतुहल वश सभकेँ अपन-अपन स्थान जाय लेल कहलनि।
जखन बहुत समय बीति गेलै तँ राजा विचारलनि जे सरीसृप चोरकेँ तँ हम राजा बना देलियै, मुदा ओ राजा भऽ एखन की करैत अछि से बुझबाक चाही। कारण जे-
अबल-दुर्बल जँ बेसी भार उठाबय, मन्दाग्निवला जँ बेसी भोजन करय आ दुर्बुद्धि जँ पैघ राज्यक भार लेअय तँ परिणाम नीक नञि भऽ सकै छै।

तें राजा विक्रमादित्य ‘सुचेतन’ नामक चरकेँ बुझबा लय पठेलनि जे राज पाबि ओ चोर की करैत अछि? चर ओतऽ जा सभ बात बुझलनि आ घुरि एला। राजा पुछलनि- कहू सुचेतन, की समाचार? चर कहलनि- महाराज! की कहबासँ अपनेक नीक होयत आ की कहबासँ अधलाह से हम नञि विचारब। हम सत्ये बात कहब, चरकेँ फूसि बाजब उचित नञि थिक। किएक तँ- जेना कनाह आँखिसँ जीव किछु नञि देखैछ तहिना फुसिआह चरसँ राजा किछु नञि बुझि सकै छथि।

तेँ हम जे किछु देखल अछि, से निवेदन करै छी। श्रीमान् सुनल जाय- जे अनकर अधलाह करबामे बहादुर अछि तेहन दुर्जनकेँ राज्य दऽ अपने बहुत गोटाकेँ विपत्ति देलहुँ अछि। पहिनहुँ तँ ओ दुर्वृत्ती छले, ताहिपरसँ अपने ओकरा समर्थ बना देलियै अछि। दुर्वृत्ती आ समर्थ भऽ आब तँ ओ की (अनर्थ) नञि करत? श्रीमान् तँ महात्मा छी, दयासँ मन द्रवित भेल, मुदा अपनहुँ तँ ओकर दुर्गतिए हटेलियै, स्वभाव कहाँ हटेलियै?

राज्यक फल थिकै यश, पुण्य आ सुख। जखन ओ फल ओकरा भेटिते ने छै, तखन राज्ये भेलासँ की? ओ नीक लोकक धन छीनि लैत अछि आ प्रतिष्ठित लोकक मानमर्दन करैछ। अपन सुविधा लेल दुजन कोन काज नजि करैछ?

ओ आनक स्त्रीक संग भोग-विलास करैत अछि आ बुझैत अछि जे कहियो मरबे नञि करब। ओ कामदेवक अस्त्रकेँ देखैत तँ अछि, मुदा यमराजक अस्त्रकेँ नञि देखैछ। ओकरा पापक डर नञि होइ छै, अधलाह काजक लाज नञि होइ छै आ अनकर धनसँ सन्तोष नञि होेइ छै। दुर्जनकेँ मात्सर्ये कोन? ओ अपने बजितो अछि जे चोरिए करैत-करैत हम राजा भेलहुँ अछि, तखन जाहिसँ अपन नीक भेल अछि, ताहि वृत्तिकेँ किए छोड़ब? अपने उदाहरणसँ ओ दृढ़ मानि लेलक अछि जे दुर्वृत्तिए करबासँ राज्य होइ छै। तेँ ओ दुर्वृत्तिकेँ छोड़िते नञि अछि।

दुर्जनके ँ विवेक नञि रहैछ, तेँ ओकरा राज्य शोभा नञि दैछ, चाहे ओ राज्य हाथीक हल्कासँ ने भरल हो आ शतशत रमणीसँ ने भरल हो। चोर जतऽ शासन कऽ रहल अछि, ततऽ की नञि हेतै? ओतऽ तँ शिवोत्तरो अग्राह्य नञि छै, बाह्मणो अवध्य नञि अछि आ मुनियोक सम्मान नञि होइ छनि।

ओ अपन कयल काजकेँ अपने नाश कऽ दैत अछि। लोभी लोक अपन कयलपर डटल कहाँ रहि सकैत अछि?

राजा बजला- सुचेतन! अहाँक एहि वर्णनसँ ओहि दुष्टक चरित्र बुझलहुँ। हमरा बड़ दु:ख भऽ रहल अछि। हम तँ एकरा अपने अयश मानै छी। चर कहल- अपनहिक अयश थिक महाराज! लोकसभ साफ-साफ बजैत अछि जे- ओ लाज तँ राजा विक्रमादित्यकेँ थिकनि, चोरकेँ तँ ओ यशे थिकै जे दुनू गोट (राजा ओ चोर) एक थिका।

नीच लोककेँ सिक्का चढ़ेबासँ पैघो लोक छोट भऽ जाइछ। चन्द्रमा हरिणकँे कोड़ चढ़ेलनि, तेँ ने ओ कलंकी कहेलनि! राजा पुछलनि- आब की करबाक चाही? चर कहल- महाराज। अपनेकेँ ई बड़का अयश छोड़ायब आवश्यक। एखन धरि तँ ओकरा छोड़ायब सोझ अछि। जँ बेसी लोकक मुँहमे अयश पसरल तँ ओकरा छोड़ायब कठिन होयत।

तखन राजा विक्रमादित्य भेष बदलि चोरक राज्य गेला आ चरक कहल बातक जाँच कयलनि। पुनि तखन चोरकें राजगद्दीसँ उतारि पहिलुकेँ दशा (बन्दी) कऽ मारि देल।

अपराधीकेँ दण्ड देनिहार, राजा विक्रमादित्य सज्जनकेँ पीड़ा देनिहार (सरीसृप) चोरकेँ मारि देलनि। आब नगर शान्त रहओ, वृद्ध पण्डितलोकनि गुणसँ गौरव पाबथु, व्यापारी लोकनि निडर भऽ बाट चलथु, घर-घरमे धनिक सभ सुखसँ सूतथु आ धार्मिक उत्सवमे जागथु।

भाग 2: सत्यवीर कथा
प्राचीन कालमे हस्तिनापुर नामक नगरमे महमद नामक  बादशाह भेल छला। सागरपर्यन्त भूमण्डलपर शासन केनिहार ओहि बादशाहक उत्कर्षकेँ काफर राजा सहन नञि कऽ सकल। ओ हुनकापर आक्रमण करबा लेल समस्त दलबलक संग ओतऽ आबि जुमल। ओकर एबाक समचार सुनि बादशाक लाख-लाख कम्बोज घोड़ा ओ तुर्क सबारकेँ संग लऽ शहरसँ बहराय युद्धक आह्वानकेँ स्वीकार कयल। तखन दुहू दलमे युद्ध ठनि गेल। जोरगर काफरराजक सेनासँ मारि खा यवन योद्धासभ युद्धसँ विमुख भऽ पड़ाय लागल। अपन सैनिक सभकेँ सिंहक डरसँ पड़ायल हाथीक दल सन देखि कऽ बाजल- हे हमर सेनाक जबान सभ! हे राजा, हे राजपुत्र लोकनि ! अहाँसभक बीच क्यौ एहन नञि छी जे तत्काल शत्रुक डरेँ छिन्न-भिन्न हमर सेनाकेँ अपन बाहुवलसँ क्षणमे रोकि सकी? बादशाहक ई वचन सुनि कार्णाटकुल संभूत नरसिंहदेव नामक एवं चौहान कुलमे जन्म लेनिहार चाचिकदेव नामक युगल राजकुमार बाजि उठला- राजन् ! नीचाँ मुँह खसैत जलकेँ ओ शत्रु-भयसँ छहोछित्त भगैत अहाँक सेनाकेँ आब एखन के थम्हा (बचा) सकैछ? परञ्च जँ क्षण भरि अहाँ घूरि देखी, तँ हमहीँ दुहू गोटे अहाँक शत्रुदलक मुण्डकेँ तरुआरिक धारक चोटक परिचय करा दी। बादशाह कहलनि- चाबस! अहाँ दुहूकेँ छोड़ि दोसर के एना कऽ सकैछ?

तदुत्तर नरसिंहदेवक बाहुमल रोमाञ्चकुञ्चित भ आयल। वज्रक आघात जकाँ चाबुकक चोटसँ घोड़ाकेँ दौड़ाओल, घूमि कऽ देखय-देखय ताबत काफर राजक सेनामे प्रवेश कऽ गेला। ओतऽ जा, विजयसँ उजागर श्वेत छत्रसँ चिन्हरगर काफर राजाकेँ अबैत देखि छातीपर भाला चला देलनि। काफर राजा ओहि वज्र समान भालाक चोटसँ निष्प्राण भऽ भूमिपर खसि पड़ला। ओमहर चाचिकदेव भूमिपर खसल हुनक मस्तक काटि बादशाहक आगाँ अनलनि। बादशाह पुछलनि- ककरा मस्तक थिक? चाचिकदेव कहलनि- काफर राजाक। यवनेश्वर पुछलनि- ककरा द्वारा मारल गेल? चाचिक बजला- पराक्रममे जे अर्जुनक तुलना करै छथि ओहि नरसिंहदेव द्वारा ओ मारल गेल अछि। हम तँ हुनका पाछाँ चलैत ओकर मस्तक टा काटल अछि। बादशाह पुछलनि- नरसिंहदेव कतऽ छथि? चाचिक कहलनि- काफर राजाक निकट रहनिहार अपन मालिकक मृत्युसँ विशेष रोषायल बहुतो मोगल सैनिक सभकेँ एकाँएकी मारैत टा हुनका म्हम देखलियनि। कतऽ गेला, एखन कतऽ छथि वा नञि छथि से नञि जानि।

तखन यवनराज शत्रुक सेनाकेँ, जकर नायक मारल गेल छलै, तकरा पड़ाइत देखि परम आनन्दित भेला। ओकरा सभक खेहार करैत अपन सैनिक जवान सभक प्रति कहलनि- हे हमर सैनिक सभ, पड़ाइत शत्रुसेनाकेँ की मारै जाइ छऽ? एखन हमर राज्यक रक्षा केनिहार ओे काफर राजक अन्तकारी नररूपी सिंह यथार्थनामा नरसिंहक पता लगा हमरा कहै जा।

ओकर बाद संग्रामभूमिक एक स्थलमे बादशाह बहुतो नाराचसँ छिन्न-भिन्न भेल शरीर, जाहिसँ शोणितक सहस्रो धार बहि रहल छलै, जे फुलायक पलाश जकाँ छल, वेदनासँ मूर्च्छित नरसिंहदेवकेँ देखलनि। बादशाह घोड़ासँ उतरि कहलनि- हे नरसिंहदेव! जीवन चाही? नरसिंहदेव बजला- हम जे कयल से अहाँ बुझलहुँ? यवनेश्वर कहलनि- बुझलहुँ, चाचिकदेव सभटा कहलनि। अहाँ हमर शत्रुकेँ मारलहुँ अछि। नरसिंह बजला- तखन हम जीवन चाहै छी। कारण- जकर हितक इच्छासँ हम दुष्कर कर्म कयलहुँ से जँ बुझलनि तँ श्रम रूपी वृक्ष फलित भऽ गेल।

ओकर बाद हुनक शरीरसँ आपुंख निमग्न नाराचवाणकेँ बाहर करा यवनराज ओहि कुमारकेँ अनेक प्रकारक औषधिक प्रयोगसँ, संयमसँ, थोड़बे दिनमे घावरहित कऽ देलनि। तदुत्तर हजारो घोड़ा, लाखो अशर्फी, छत्र आ चारम आदिसँ हुनक सत्कारक आयोजन केलनि।

संवर्द्धनाक कालमे नरसिंह देव कहलनि- राजन राजपुत्र लोकनिक  युद्ध करब स्वभाविके  धर्म थिक। तखन हम कोन अद्भुत कयल जे ई सत्कार कऽ रहल छी। जँ तदर्थ सत्कार कर्तव्य अछि तँ चाचिकदेवक करू, जे शत्रुक मस्तक आनियो कऽ सत्यक रक्षार्थ अहाँक आगाँ हमर यशकेँ प्रकाशित केलनि, अपन पौरुष नञि ख्यात केलनि। नञि तँ हुनक आनल मारबाक चिह्नस्वरूप शत्रुक मस्तककेँ देखि के जानि सकैत जे हमहीँ शत्रुकेँ मारल अछि? तेँ पहिला पूजा-सत्कार हुनके कयल जाय।

चाचिक देव कहलनि- कुमार नरसिंह! से जुनि कही। कोना हम अहाँक पराक्रम फल लऽ दोसराक ऐँठायल यशसँ जीबी?

नरसिंह देव कहलनि- धन्य सत्यवीर! धन्य! अहाँक एहि सत्यसँ सभ वस्तुक विवेचना भऽ गेल। चाचिक अहाँ महान् आशय वला छी, क्रियाकुशल छी, सतीपुत्र छी।

तकर बाद दुहू कुमारक परस्सपर वार्तालाप सुनि अत्यन्त सन्तुष्ट भऽ यवनराज दुहू व्यक्तिकेँ समान रूपे सत्कार कयल। 

भाग 3: युद्धवीरक कथा
युद्धवीरक कथा सुनि कायर सभ शूर होइछ, आलसी उद्यमी बनैछ आ लोक विजय प्राप्त करैछ।

मिथिलामे कर्णाट वंशामे उत्पन्न नान्यदेव नामक राजाक बालक मल्लदेव कुमार छला। ओ स्वभावेसँ सिंह सन पराक्रम रसिक छला। मनहिमन अनुभव करैत छी,ई हमर पौरुष नञि थिक। हेतु जे- कायर,नेना ओ स्त्री इएह परश्रित भय जीबैछ। सिंह ओ सत्पुरुष तँ अपन बलदर्पपर जीबैत अछि।

पिताक प्रति भक्तिओ तँ अपन अर्जित सम्पतियहिसँ संभव थिक। कहलो अछि- पिताकेँ कतबो पुत्र रहथुन ओ जाहि बेटाक कमाइ खाइत छथि, जकर यश सुनैत छथि तकरेसँ ओ बेटाबला कहबैत छथि। तेँ कतहु जा क’ अपन बहुबलसँ पुरुषार्थ करी, ई विचारि कुमार कनौज नामक जनपद गेलाह। ओतय जयचन्द्र नामका राजा ओतय, जनिक आधिपत्य काशी धरि छल, पहुँचि सैनिक पद्धतिसँ भेँट कयल। ओ राजा हुनका सत्कारपुर्वक अपन प्रिय सहचर बनाओल। कुमार हुनक सेवामे रहि, क्रमहिँ अधिक सम्मान-भाजन बनलाह। मुदा एकदिन हुनका आदरमे विषमता बुझि पड़लनि। हेतु जे- थोड़बो गुणबला बिषय वस्तु यदि दुर्लभ रहैछ तँ ओहिमे आदरभाव रहैछ। किन्तु अधिको गुणबला यदि सुलभतासँ भेटैछ तँ ओहिमे निश्चय राजालोकनिक अनादरक भावना होइत छनि। कुमार पुन: बिचारलनि- तृष्णासँ भरल लोकक प्राण धन थिकैक, आगिक प्राण जारन,कामीक प्राण कामिनी,तहिना मनस्वीक प्राण  मान  थिकनि । तदुत्तर राजाकेँ कहलनि-देव! अपनेक प्रभुत्व सुनि हम एतय आयल छलहु, आब आनठाम जायब। राजा बजलाह-कुमार! अहाँऐ उद्वेगक कारण की भेल जे आनठाम जायब? मल्लदेव कहल अपनपेक आदर क्रमश: हमरा विषयमे शिथिले भेल जायत, तकरे आशंकसँ एखन आनठाम जा रहल छी। राजा बजलाह ई कथाकोना बझुना गेल ? मल्लदेव  बजलाह- हमरालोकनिक आदर तँ शुरताक होइछ; शुरता वाग्युद्धसँ नञि बझाओल जा सकैछ। अस्त्रयुद्ध अहाँक राज्यमे देखितहि नञि छी। राजा  बजलाह-समुद्रपर्यन्त हम राजस्व ग्रहन करैत छी। हमरासंग युद्धमे अड़निहार केओ अछिए नञि। तखन युद्ध होअओ ककरा संग? कुमार कहल-देव! राजाकेँ विजयक आनन्द राज्यक फल थिकैक। किन्तु बिना युद्ध विजय कोना? आ’ तखन सुखे कत’ यदि अपनेकेँ मनहो तँ हम एतयसँ जाइ। हम जकरहि राज्यमे जायब सैह अपनेक संग संग्राममे लड़बा योग्य भ’ जायत। राजा तमसाय बजलहा-रे कुमार! तोँ केहने अभागल भुढ़ थिकह? कोन दर्पसँ एना बजै छह? जाह जतय जयबह। जतहि तोँ जयबह ततहि हम अभियान करब। कुमार बाजल-इएह हम चललहुँ। कुमार ओयतसँ चिक्कोनामक राजाक राज्यमे पहुँचलाह। पाछाँ काशीश्वर (जयचन्द्व) हुनका ओतय गेल बुझि, चतुरंगिणी सेनासंग साजिस चिक्कोरक विरुद्ध बिदा भेलाह। किछु कालक अनन्तर हुनका निकट आयल बुझि चिक्कोर अपन मन्त्रीसभक संग परामर्श कयल जे काशीश्वर कुपित भ’ हमरहिपर आबि रहल छथि। तेँ आब उचित कर्त्तव्य की थिक? मन्त्री लोकनि कहल- अपनेक शक्ति थोड़ अछि,ओ छथि महाबल,तेँ हुनक संग युद्ध उचित नञि। ने अपनेकेँ धने ततेक अछि जे पैघ मनबाला ओहि राजाकेँ धन दँ सन्धि क’ लेब। तेँ उचित जे कोनो किलाक आश्रय ली। तखन पड़यबालेल उताहुल देखि चिक्कोरकेँ  मल्लदेव कहलनि- राजन्! अपने एना पड़ाइ छी किऐक ? अपनेक उद्देशेँ काशीश्वर ने कहियो आयल छथि ने आगाँ अओताह। अपने विश्वास करी तँ हुनक आगमनक कारण कही। अपनेकेँ कोनो भय नञि हो। चिक्कोर पछुल-ओ कारण की थिकैक? मल्लदेव पहिलुक सभ कथा सुना देल । चिक्कोर पूछल तखन उचित की? मल्लदेव कहल-जेँ ओ हमरा उद्देश्येँ अबै छथि तेँ अपने नञि पड़ाउ। किन्तु हुनक अनेक योद्धाक संग एकसर हमर युद्ध-कौतुक देखल जाय। चिक्कोर कहल- ओहि महाराजक सेना अपार छनि। हुनका संग एकसर अहाँक लड़ब उचित नञि। नीतिक ई विरुद्धद थ्ज्ञिक। कुमार बजलाह-शूरताक काजे रहैछ आनक आमर्षकेँ नञि सहि सकी। चिक्कोर कहल- तेँ तँ बिनु विचारेँ जे काज करैछ तनिक क्रियारम्भ परिणाममे विपत्तिजनक होइछ। कुमार कहल- ई विवाद व्यर्थ। जे काज हम करब होयत एकर सदेह रहैछ,एहन समान बलबलामे युद्ध संगत होइछ। किन्तु प्रबल शत्रुबलमे आगिमे फतिंगा जकाँ कुदि मरैछ?। कुमार कहल-यश पयबाक इच्छासँ जे युद्धमे मृत्युक वरण कयलक अछि तकरा केहनो प्रबल शत्रु सँ भयक अवकाश कत’। यशक कामनासँ युद्धमे मरण चाहनिहार वीरक कीर्ति शत्रुक महत्वसँ आओर बढ़ैत छैक। आ’ प्राण बचयाबालेल जे व्यक्ति युद्धसँ पड़ादत छथि तनिका मृत्यु तँ होइतहि छनि किन्तु ओहिसँ विशेष होइ छनि हुनक कापुरुषताक प्रकटी करण। चिक्कोर कहल- कुमार,अहाँ महान् वीर छी। काशी नरेश महाराज छथि। अत: अहाँ दुनू बीच लड़ाइ होसे तँ हमरालोकनि सुनियो नञि सकैत छी,दैखबाक कोन कथा। कुमार उत्तर देल- यदि अपने युद्ध देख’ नञि चाहि तँ कतहु यमदुतसँ अलक्षित स्थानमे जाय अपने अमर भेल जाय। हम तँ युद्ध करबे करब। परन्तु यदि से तँ अपने हमरा एकटा हाथी द’ क’गेल जाय। हम तँ अपनकेँ शुन्यो नगरक पर्यवेक्षण करब। चिक्कोर राजा कुमारक कथानुसार से क’पड़यलाह। ओकर दोसर दिन भेरीक शब्दसँ आकाशमण्डलकेँ व्यात करैत कर्मकठ मर्म धरि स्पर्श कयनिहार घोड़ाक टापक प्रहारेँ भूमण्डलकेँ दलमलित करैत,महाराज जयचन्द्र हुनक नगरक निकट आबि पहुँचलाह। मल्लदेव बढ़िक’ राजाकेँ (सामने) देखल। राजा पूछलनि-हाथीपर चढ़ि,तोँ थिकहकेँ?   सन्धि करबालेल आयल चिक्कोरक दुत थिकह अथवा युद्धार्थी मल्लदेव? मल्लदेव कहल-राजन्! हम दुत नञि ,ने सन्धिएक हेतु आयल छी। किन्तु हम अपनेक प्रतिद्वन्द्वी योद्धा मल्लदेव थिकहुँ। राजा हँसिक बजलाह- हमर प्रतिमल्ला तोँ ठीक भेलह। आब एखन आबि क’हमर अनुसरण करह। मल्लदेव बाजल-अहीं हमर अनुसरण किण्क ने करैत छी? एखन तँ अहाँ घोड़ापर छी ओ हम हाथीपर। अहुँकेँ अस्त्र अछि,हमहुँ अस्त्ररखने छी। एखन तँ प्र्र्रसारक अवसर अछि तखन वचन-विलासक एखन अवकाश कोन? राजा आश्चर्यकसंग सैनिकसभकेँ कहल-सैनिक लोकनि, मल्लदेवकेँ जीविते पकड़ि हमरालग ल’आबह। मल्लदेव सभकेँ ललकारैत कहल- हे आकाशचारी दिक्पाल,मुनि एंव सिद्ध लोकनि! देवता! अपने लोकनि साक्षी रहू। सभगोटे एहि कौतुककेँ देखैत जाउ। राक्षसबृन्द ! नरमांससँ तृप्त होइत जाउ। वीरक प्रति अनुरागक उत्कण्ठा राखनिहारि अप्सरागण! आनन्द प्राप्त करू। संग्रामभूमिमे एकसरे मल्लदेव बहुतो (योद्ध) क संग महान् साहस देखा रहल छथि। तखन चारूदिस पकड़बालेल उमड़ैत शत्रुदलक योद्धालोकनिकेँ मल्लदेव नाराज बाणसँ मारल। हुनक आघातसँ अपन प्रियपात्र सैनिक जवानकेँ धराशायी होइत देखि जहचन्द्र सेनाकेँ आदेश देल-हे वीरपुरुष-गण ! यदि एहि मरणेन्मुख अपरोध नञि कँ सकह तँ वाणबृष्टिसँ एकरा डुबवह। तखन राजाक आज्ञा पाबि सैनिकसभ एक कालहिमे घनघोर वाणक धारासंपातसँ हुनका सराबोर कऽ देल। वाणसँ बिद्ध भऽ  ओ हाथीपरसँ भुमिपर खसि पडलाह। ओहि समयक कोनो एक प्राचीन कविक पद्य अछि- अस्सी सालक बुढ़ा-पक्ठोस चिक्कोर तँ पड़ा गेलाह,परंच सोलह, सालक कर्णाक युवा (मल्लदेव) संग्राममे धराशायी भेलाह। प्रचुर नाराचवार्णस छिन्नभिन्न शरीरबला मुकुटमणि! कर्णाटवंशक प्रतिष्ठावंशक बीजांकुर ! की अहाँ जीव चाहै छी? मल्लदेव कहल (पहिने) कहु, हमरा दुहु गोटेमे युद्ध केँ जीतल ? राजा बजलाह-हलरालोकनि बहुतो गोटेक संग अहाँ लड़ाई कयल आ आहत भेलहुँ ,ताहुँ पर अहाँ हमरासभकेँ जितबाक इच्छा रखितहि छी तखन अहाँ विजयी कोना नञि भेलहुँ  तखन राजा एहिा प्रशंसा वर्णनसँ हुनका बाहुबल रोमांचसँ भरि आयल आ बजलाह-देव ! हम आब जीयब। तदुत्तर हुनका शूरतासँ अत्यन्त प्रसन्न्  भऽ राजा जयचन्द कुमारक शरीरसँ बाण बाहर कराय अपना ओतय लऽ गेलाह ओ पुत्रक प्रेमसँ हुनका रक्षण-पालन कयल,घाव भरि अयलापर हुनका सत्कार-समारोहपुर्वक अपन प्रतिनिधि बनाओल। कहल गेल अछि-मल्लदवेक ओ बहादुरी तथा राजाक ओ विवेक ने कहियो अतीतकालमे भेल अछि ने भविष्यमे पुन: होयत ।     

 भाग 4: दयावीरक कथा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू