अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
Madhubani Station लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Madhubani Station लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
13 अक्टू॰ 2017
Madhubani Station
पूर्व मध्य रेलवे के मधुबनी स्टेशनक नाम जल्दिए गिनीज बुक मे दर्ज भ सकैत अछि। ताहि लेल एतय दीबार पर करीब ७००० सँ बेसी वर्ग फुट मे मिथिला पेंटिंग उकेरल जा रहल अछि। कुनो भी लोक चित्रकला क्षेत्र मे अतेक बड़का एरिया मे पूरा वर्ल्ड मे एकटा रिकॉर्ड भ सकैत अछि।
इहो पढ़ब:-
‘क्राफ्टवाला’ संस्था के राकेश झा के मानी त गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड्स मे मात्र ४५६६.१ वर्ग फुट पेंटिंग दर्ज अछि। ओना भारत मे सबसँ बड़का पेंटिंगक रिकॉर्ड मात्र ७२० वर्ग फुट क अछि। ताहि लिहाज सँ मधुबनी स्टेशनक पेंटिंग पूरा वर्ल्ड के सबसँ बड़का पेंटिंग हैत। एतय ४६ छोटका आ बड़का थीम मे बांटि क एक सौ सँ बेसी कलाकार श्रमदान क रहल छथि। गांधी जयंती के दिन मधुबनी रेलवे स्टेशन पर अहिक विधिवत शुभारंभ डीआरएम केने छलथि।

