बुधवार, 14 अक्तूबर 2015

मैथिली धारावाहिक 'मास्टर साहेब' २ नवम्बर सँ डीडी बिहार पर

दिल्ली, मिथिला धरोहर : मैथिली भाषा आ मैथिली मीडिया जगत के लेल एकटा और अपार हर्ष आ खुशी के विषय अछि। DD बिहार पर हास्य धारवाहिक “एस.एन. झा के गजबे दुनिया” के प्रसारणक बाद आब फेर सँ DD बिहार पर एकटा और मैथिली धारवाहिक आबि रहल अछि। मैथिली धारावाहिक 'मास्टर साहेब' के DD Bihar चैनल पर २ नवम्बर सँ सप्ताह मे तीन दिन (सोम, मंगल आ बुद्ध) समय राति ९ बजे सँ ९:३० बजे धरी तक प्रसारित कयल जायत।
 
मैथिली के अखन धरी के इतिहास मे दूरदर्शन पर प्रसारित होमय बला ई तेसर धारावाहिक अछि। दूरदर्शन पटना सँ प्रसारित भेल पहिल मैथिलीक धारावाहिक के नाम छल "नयन न तिरपित भेल", संगेह मैथिली भाषा'क पहिल टीवी चैनल 'सौभाग्य मिथिला' पर दुगो मैथिली धारावाहिक सेहो प्रसारित भ चुकल अछि, एकटा "दियर-भाऊज" आ दोसर "कोना जियब हम अहाँके बिना"।


धारावाहिकक निर्माता श्री दिनेश कुमार सिंह, निर्देशक आ लेखक श्री अभिराज झा, छायांकन R R प्रिंस, सहायक निर्देशक हृदयनाथ झा आ संपादक नागेन्द्र यादव छैथ । 'मास्टर साहेब' हास्य संग दहेज प्रथाक विरोध मे समाज केर जागृत करऽ ब'ला धारावाहिक साबित होयत। मुख्य कलाकारक भूमिका मे अभीराज झा, सुरेश आनंद, बिमल झा, करण मिश्र, घनश्याम झा, जितेन्द्र झा, ममता मिश्र, मनोरमा मिश्र, राजेश झा, अवधेश सिंह, शिखा, डॉ अभय झा, संजीव झा, अभय झा, संजय आदि संग रामचंद्र बाबूक भूमिका मे अनूप सत्यनारायण भेटता। एहि धारावाहिक के सफलता के लेल मिथिला धरोहर दिसन सँ ढेर रास शुभकामना अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !