बुधवार, 19 अगस्त 2020

मिथिलाक श्रेस्ट अभिनेता आलोक नाथ (झा), हिंदी फिल्म जगतक 'बाबूजी'

हिंदी फिल्म जगतक सदाबहार चरित्र अभिनेता आलोक नाथ झा जी ( Actor Alok Nath Jha ) के जन्म 10 जुलाई 1956 के बिहारक खगड़िया जिला मे भेलनी। ओना बचपने मे हिनक परिवार दिल्ली मे जा'क बसी गेलाह।

निजी जीवन
आलोक नाथ जी के पिता दिल्ली मे डॉक्टर के पद पर छलथि आ मां गृहिणी छलनी। आलोक नाथ जी के पिता चाहय छलखिन जे आलोक नाथ डॉक्टर बनैथ मुदा ओ डॉक्टर नै बनए चाहए छलैथ आ एक्टिंग के अपन करियर के रूप मे चुनलैथ। ताहि उपरांत हिनकर बियाह आशू सिंह सं भेलनी जिनका सं एकटा बेटा भेलनी। 
शिक्षा
आलोक नाथ जी अपन स्कूलि और ग्रेजुएशन दिल्ली सं केलथि। कॉलेज'क दिन मे एक्टिंग मे रुझान हेबाक वजह सं ओ कॉलेज'क रुचिका थिएटर ग्रुप सं जुड़ल रहला। ताहि उपरांत तीन साल धरि नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा में पढ़ाई केलथि।

इहो पढ़ब :-

सिनेमा आ टेलीविजन'क एहि प्रसिद्ध कलाकार आलोक नाथ जी कतेक रास फ़िल्म आ सीरियल मे काज केने छैथ। आलोक नाथ जी अपन करियर के शुरुआत 1980 मे फिल्म ‘गांधी’ सं केलनि। अहि फिल्म मे काज करबाक मौका हिनका नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा मे पढ़ाईक दौरान भेटलनि। अहि फिल्म के लेल हिनका बीस हजार रुपया भेटल छलनी।
ताहि उपरांत आलोक नाथ जी मुंबई आबि गेलैथ। मुदा दोसर फिल्मक लेल आलोक नाथ जी के 5 साल धरि संघर्ष करय पड़लनि। अहि दौरान हुनका 2 साल धरि पृथ्वी थिएटर मे नादिरा बब्बर के संग अभिनय केलैथ। ओहिमे 30 सं 40 लघु फिल्म केने छलथि। अहि दौरान आलोक नाथ जी के फिल्म ‘मशाल’ के लेल ऑफर एलनी, अहि फिल्म मे हिनकर किरदार बहुते छोटा छलनी। ताहि उपरांत फिल्म ‘लम्हे’ आ ‘आज की आवाज’ मे सेहो काज केलथि। आलोक नाथ जी ताहि उपरांत “अग्निपथ”, “लेकिन”, ”खेल”, “शोला आ शबनम’, "विश्वात्मा”, ”दीवाना”, “बोल राधा बोल”, “हम आपके हैं कौन”, ”परदेश”, ‘हम साथ साथ हैं, आ ''अब लौट चलें” , “ ताल”,” “विवाह” आदि फ़िल्म में हुनका द्वारा निभावल गेल शान्त -सौम्य चरित्र किरदारके दर्शक बड्ड पसीन केलक।
फिल्म'क संगे आलोक नाथ जी टीवी सीरियल मे सेहो काज केलैथ, जेकर शुरुआत सीरियल ‘हम लोग’ सं केलैथ। इ हिनकर पहिल सीरियल छलैन जे दूरदर्शन मे प्रसारित कैल गेलनि। मुदा हिनका पहचान सीरियल ‘बुनियाद’ सं भेटलनि। इ सीरियल 1986 मे बहुते लोकप्रिय भेल करैत छल। ताहिसे पहिले आलोक नाथ जी 1983 मे फिल्म ‘मैंने प्यार किया’ आ ‘सारांश’ केने छलैथ। 1980 मे फिल्म ‘गांधी’ के लेल हिनका बेस्ट पिक्चर ऑफ द ईयर के परुस्कार सं सम्मानित सेहो कैल गेल छलनी।

इहो पढ़ब :-
फिल्म आ टीवी इंडस्ट्री के मशहूर अभिनेता आलोक नाथ झा जी बॉलीवुड मे ‘बाबूजी’ के नाम सं पहचान बनेलनी। अपन करियर मे लगभग 140 फिल्म आ 17 टीवी सीरियल्स केलैथ, जाहिमे सं हिनक ज्यादातर किरदार ‘बाबूजी’ के छलनी। हुनक सीरियल मे  “तलाश’, ‘तारा”, “अस्तित्व..एक प्रेम कहानी”,”पिया का घर’, “वो रहने बाली महलों की’, ‘घर एक सपना”, “हर घर कुछ कहता है”,”सपना बाबुल का-विदाई आ “ यहां मैं घर- घर खेली” जेहन सीरियलमें चरित्र किरदार बनल छलैथ।

3 टिप्‍पणियां:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !