...
🕉️
✨ आगामी त्यौहार
माह शिवरात्रि
📅 11 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब अहाँ सब मिथिलावासी लेल नबका वेबसाइट पूर्ण रूपे तैयार अछि, आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

14 अप्रैल 2023

धूप दीप माला लेने गीत लिरिक्स | Dhoop Deep Mala Lene Lyrics

Dhoop Deep Mala Lene Lyrics Song by Ram Babu Jha

धूप दीप माला लेने 
धूप दीप माला लेने 
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
धूप दीप माला लेने - 2
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 

निर्धन के देली मैया अन-धन सोनम
बाजहिं के लालसा पुरेलौं द क लालनम
मां जगदंबा हे हमरा बेर नैना लेलौं फेर 
मां जगदंबा हे हमरा बेर नैना लेलौं फेर 

मालियाँ दोकान सं मैया हार किन लेलौं
रोड़ी सिंदूर संग अरहुल चढेलौं
मां जगदंबा हे दुखिया के सुनियौ ने टेर 
मां जगदंबा हे दुखिया के सुनियौ ने टेर 

सुनै छी हे जगतारिणी मां ममता मई छी अहाँ
सुइध जँ लेबै नै हमर, कहु जेबै हम कहाँ
जगदंबा हे आब नै करियौ अबेर 
जगदंबा हे आब नै करियौ अबेर 

धूप दीप माला लेने 
धूप दीप माला लेने 
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर - 4

1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »