बुधवार, 14 जून 2023

किया रुसल छी दिलजानी लिरिक्स - Kiye Rusal Chhi Diljani Hamar Goriya

Kiya Rusal Chhi Diljani Hamar Goriya Lyrics in Hindi

किया रुसल छी दिलजानी हमर गोरिया
यै, किया रुसल छी दिलजानी हम्मर गोरिया 
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर रनिया 
की भेलै कसूर होई छी हमरा सं दूर
अब बताबू ने, हमरा बताऊ
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर गोरिया
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर रनिया

सुन पगली प्यार हम तोरा केलियौ 
तोरे खातिर बदनाम गे 
तोरे याद में दिन बितै यऽ 
सोहाय यऽ ने कोनो काम गे
दिल धरकैये तोरे खातिर -2
लऽ कऽ सुतै छी तोहर नाम गे 
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर गोरिया
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर रनिया

हमरा सं नै बोलबी गे गोरी
केकरा सं करबै हम बात गे
संगे जीबौ संगे हम मरबौ
छोरबौ ने कहियो हम साथ गे
जिनगी अधूरा तोरा बिना - 2
दिल में सजल तोहर नाम गे 
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर गोरिया
किया रुसल छी दिलजानी हम्मर रनिया

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !