अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
15 अग॰ 2024
Home
/
Maithili Film Song
/
Maithili Song Lyrics
/
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ लिरिक्स Chhau Putra Bad Bekal Maa Lyrics
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ लिरिक्स Chhau Putra Bad Bekal Maa Lyrics
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ आबो पुकार सुनि ले
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ आबो पुकार सुनि ले
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ
मतिहीन हम बनल छी मतिमान तू बना दे
कुमार्ग पर चली जों सदमार्ग तू देखा दे
मतिहीन हम बनल छी मतिमान तू बना दे
कुमार्ग पर चली जों सदमार्ग तू देखा दे
आँगुर पकड़ि के हमर
रस्ता देखा गे माँ
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ
स्वीकार हम करै छी पापी बड़े बिकट छी
पर सत्य बात ई जे बेटा तऽ हम तोरे छी
स्वीकार हम करै छी पापी बड़े बिकट छी
पर सत्य बात ई जे बेटा तऽ हम तोरे छी
आबहु सम्हार माता
दोसर नै आसरा माँ
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ
दाबा तोरे सऽ मैया दाबी कतऽ देखेबै
तू नही दुलार करबैं कतऽ दुलार पेबै
दाबा तोरे सऽ मैया दाबी कतऽ देखेबै
तू नही दुलार करबैं कतऽ दुलार पेबै
छौ नेह केर भूखल
बेटा तोहर अजय माँ
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ आबो पुकार सुनि ले
बेटा बजा रहल छौ कोरा में तू उठा ले
छौ पुत्र बड़ बेकल माँ
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/08/maiya-kata-sutal-chhi-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/10/aadit-manaila-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !