अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 जून 2021
Home
/
Maithili Song Lyrics
/
Vidyapati Geet
/
अभिनव पल्लव बइसंक देल | विद्यापति मैथिली चुमाओन गीत लिरिक्स
अभिनव पल्लव बइसंक देल | विद्यापति मैथिली चुमाओन गीत लिरिक्स
अभिनव पल्लव बइसंक देल,
धवल कमल फुल पुरहर भेल।
करु मकरंद मन्दाकिनि पानि,
अरुन असोग दीप दहु आनि।
माह हे आजि दिवस पुनमन्त,
करिअ चुमाओन राय बसन्त।
संपुन सुधानिधि दधि भल भेल,
भगि-भगि भंगर हंकराय गेल।
केसु कुसुम सिन्दुर सम भास,
केतकि धुलि बिथरहु पटबास।
भनइ विद्यापति कवि कंठहार,
रस बझ सिवसिंह सिव अवतार।
रचनाकार : विद्यापति
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/06/nirjala-ekadashi.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/05/mama-yau-kani-khaini-diya-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !