गुरुवार, 3 जून 2021

अभिनव पल्लव बइसंक देल | विद्यापति मैथिली चुमाओन गीत लिरिक्स

अभिनव पल्लव बइसंक देल,
धवल कमल फुल पुरहर भेल।

करु मकरंद मन्दाकिनि पानि,
अरुन असोग दीप दहु आनि।

माह हे आजि दिवस पुनमन्त,
करिअ चुमाओन राय बसन्त।

संपुन सुधानिधि दधि भल भेल,
भगि-भगि भंगर हंकराय गेल।

केसु कुसुम सिन्दुर सम भास,
केतकि धुलि बिथरहु पटबास।

भनइ विद्यापति कवि कंठहार,
रस बझ सिवसिंह सिव अवतार।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !