बुधवार, 12 अगस्त 2015

नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल लीरिक्स | कोहबर गीत

Nabi Re Kobarawa Ke Rango Nai Lyrics

नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
अहाँ प्रभु जाइ छी बिदेस हे
नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे

ककरा पर करबै प्रभु लाली रे पलंगिया
ककरा पर सोलहो सी सिंगार हे

ककरा पर करबै प्रभु हीरा मोती सोनमा
कोयली शबद हिय साल हे

नहिरा में छौ धनि माय बाप भैय्या
ससुरा में लछुमन दियौर हे

किए करतै आहे प्रभु माय बाप भैय्या
किए करतै लछुमन दियौर हे

अहिं पर शोभतै प्रभु हीरा मोती सोनमा
अहिं पर सोलहो श्रिंगार हे

अहिं पर शोभतै प्रभु लाली रे पलंगिया
कोयल शबद हिय साल हे

नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !