अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
12 अग॰ 2015
नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल लीरिक्स | कोहबर गीत
Nabi Re Kobarawa Ke Rango Nai Lyrics
नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
अहाँ प्रभु जाइ छी बिदेस हे
नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे
ककरा पर करबै प्रभु लाली रे पलंगिया
ककरा पर सोलहो सी सिंगार हे
ककरा पर करबै प्रभु हीरा मोती सोनमा
कोयली शबद हिय साल हे
नहिरा में छौ धनि माय बाप भैय्या
ससुरा में लछुमन दियौर हे
किए करतै आहे प्रभु माय बाप भैय्या
किए करतै लछुमन दियौर हे
अहिं पर शोभतै प्रभु हीरा मोती सोनमा
अहिं पर सोलहो श्रिंगार हे
अहिं पर शोभतै प्रभु लाली रे पलंगिया
कोयल शबद हिय साल हे
नबी रे कोबरवा के रंगों ने मलिन भेल
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे
कोना प्रभु जाइ छी बिदेस हे
Tags
Kohbar Geet
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/jakhan-ramchandra-chalala-avadh-sa.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/08/ugna-mahadev-bhavanipur.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Kohbar Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !