गुरुवार, 21 अप्रैल 2016

अरे वाह रे वाह ललमुनिआ लिरिक्स - Are Waah Re Waah Lalmuniaa Lyrics

ललमुनियाँ / चन्द्रमणि
 
अरे वाह रे वाह ललमुनिआ
हमरा मन पैसल चोर
फर-फर-फर-फर तोहर चुनरिया
धक्-धक् जियरा मोर।

केस अपन छिड़िआकऽ कि साओन घटा लगाकऽ
मन मयूर हरि लेलें तों आँचर अपन उड़ाकऽ
रूप सगुनिया तोहर मोहिनिया
लचलच पोरे-पोरे।। फर-फर...

दुहु पातर ठोरक यारी तों सुन्नरताक पेटारी
हंसलें तऽ छिड़िआयल जनु मोती केर पथारी
डगर-डगरमे सगर-नगरमे
हलचल-कयलें शोर।। फर-फर...

सुन्नर छैह हजारो पर सबमे छें तों मीरा
काजर कोंढ़ कटैये छौ आंखि तोहर जनु हीरा
चालिमे ठुमकी नैनमे चुमकी
करइछ ककरहु शोर।। फर-फर...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !