मंगलवार, 17 मई 2022

बिनु पिउनहि फगुआमे मनुआ नाचै Binu Piunahi Phaguaa me manuaa nache

फगुआ / चन्द्रमणि
 
नाधिन तिनक धिन नाधिन तिनक धिन
बाजि रहल मृदंग रे
बिनु पिउनहि फगुआमे मनुआ नाचै
मोर मत्तंग रे।।
नवरंगक परिधान पहिरिकऽ
धरती गगनकें नौंते
खेत-खेत मुस्कान सुमनकें
गुज्जिंत अलिकुल सौंसे
छमकि गुजरिया चलै डगरिया चुनरी रंग बिरंग रे।।
जोहि रहल जे बाट पियारी
प्रियतम के मासो सँ
प्रेम-सिंधुमे डूबि रहल अछि
प्यासल जे बरिसो सँ
मर्यादा छथि बिसरल सबटा कृष्ण राधिका संग रे।।
पिचकारी दै प्रेम फुहारा
सबतरि लाले लाल
रगड़ि गुलाल लालकय देलनि
भइया भउजीक गाल
उमरि गेलै आवारा यौवन सबठाँ एकहि रंग रे।।
घर-घर मे उत्सव केर बेला
गमकि बेलै पकवान
जन-जनमे अछि प्रेम समायल
कण-कण में भगवान
रहल केओ ने राजा रानी आइ केओ ने रंक रे।।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !