अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
21 अक्टू॰ 2025
छोटी मोटी ब्राह्मण बाबूके कान दुनू सोनमा लिरिक्स - मैथिली ब्राह्मण बाबू गीत
Chhoti Moti Brahman Babu Ke Kaan Dunu Sonama Lyrics
छोटी मोटी ब्राह्मण बाबूके कान दुनू सोनमा
पढ़य के पोथी नेने जाय हे
बाटे भेटिय गेल ब्राह्मण केर बेटिया यो
सब जनौ दिअ चढ़ाय हे
पहिने जे अबितौं ब्राह्मण अहींके चढ़बितौं
सभ जनौ गेलै बिकाय हे
बाटे भेटिय गेल मालिन केर बेटिया यो
सब फूल दिअ चढ़ाय हे
पहिने जे अबितौं ब्राह्मण अहींके चढ़बितौं
सभ फूल गेल बिकाय हे
बाटे भेटिय गेल हलुअइया के बेटिया
सभ मधुर दीअ चढ़ाय हे
पहिने जे अबितौं ब्राह्मण अहींके चढ़बितौं
सभ मधुर गेल बिकाय हे
छोटे मोटे ब्राह्मण बाबू केर कान दुनू सोनमा
पढ़य के पोथी नेने जाय हे
Tags
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/11/chhath.puja.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/10/mithila-ka-kan-kan-khila-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !