एक तऽ हम धनि पातरि,
दोसर गरभ संओ रे
ललना रे, तेसर पिया केर दुलारि,
दर्द कोना सहब रे
उठू-उठू नन्दो, दिया लेसू,
बाबा के जगाबहु रे
बाबू यौ तोरो पुतहु दरदे बेयाकुल,
दगरिन चाही रे
एहि बेर जँओ प्राण बांचत,
देव सुख बूझब रे
ललना रे, फेरू ने करब एहन काज,
पलंग भीर जायब रे
एहि अवसर पिया पबितहुँ,
जुलफी पकड़ितहुँ रे
ललना रे, बन्हितहुँ चंपा फूल डाड़ि,
ताहि तर कहितहुँ रे
भेल भिनसर पह फाटल,
होरिला जनम लेल रे
ललना रे, गाबय सब सोहर,
कि ननदो बधैया माँगय रे
इहो पढ़ब :-
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !