अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 जन॰ 2021
कामिनि! रूपहि सन तुअ नाम | चन्द्रभामिनी
चन्द्रभामिनी / कामिनि! रूपहि सन तुअ नाम
कामिनि! रूपहि सन तुअ नाम
पीत वसन तन गोर वरन भल
मुख पूर्णेन्दु समान।
मृदुल सुहासिनि अतुल सुभाषिनि
साजल शुभ परिधान।
श्याम सघन चिकुरक लट मन हन
कारि नगिनिया भान।
छल-छल यौवन कमल फुलायल
भानु सुलोचन आन।
गति अतिमंद चपल चितवनसँ
दग्ध होइछ पंचवाण।
चरणक नुपूरसँ उत्तेजित
मदन-वदन-निष्काम।
गुन-गुन गुनइति मधुवन विहरति
तृप्त निहारि सयान।
चन्द्रभामिनी नाम ‘चन्द्रमणि’
राखल सुविद सुजान।
Tags
Chandramani Jha
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/aadare-adhik-kaaj-nahi-bandh.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/01/maithili-panchang-2021.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Chandramani Jha
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !