अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
7 मार्च 2014
Home
/
Maithili Kavita
/
Nagaarjun Yatri Ji
/
Patraheen Nagan Gachh
/
सिंहवाहिनी दशभुजा चंडी - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
सिंहवाहिनी दशभुजा चंडी - वैद्यनाथ मिश्र यात्री
सिंहवाहिनी दशभुजा चंडी
शत - सहस्त्र शरीरधारिणी
कोना रहती सन्नद्ध?
रक्षा कोना करती सीमांत - रेखाक?
क्षीरसागरमध्य बारहो मास बर्खक बर्ख
अहिना यदि सुतले रहि गेला विष्णु।
अहिना यदि रहला बइसल
नाभिपद्यसंभूत अपरोजक विधाता।
अहिना यदि रहि गेली लक्ष्मी बाँझक बाँझे।
अहिना यदि स्वर्णमृगक पाछाँ-
रहला अपस्यांत मनुपुत्र!
पिआसलि पृथिवी
अहिना यदि कनैत रहली हकन्न!
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/03/blog-post_7349.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/balam-barachhi-bhel-taiyari-samdhin.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !