अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
15 फ़र॰ 2026
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Sharda Sinha
/
Shiv Bhajan
/
चालू देख बहिना जुलुम भेलय भारी लीरिक्स - Chalu Dekha Bahina Lyrics
चालू देख बहिना जुलुम भेलय भारी लीरिक्स - Chalu Dekha Bahina Lyrics
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
गोर नार कनियाँ लऽ
गोर नार कनियाँ लऽ
वर लेला कारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
नारद बाभन एहन केला काज
नारद बाभन एहन केला काज
हुनके हँसै छैन सौँसे समाज
दूल्हा लगै छै, दूल्हा लगै छै
ससुर के भतारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना
बासी पहारक भांगे आहार
बासी पहारक भांगे आहार
बौरहबा के घर न दुआर
संपैत में बसहे, संपैत में बसहे
बरद के सबारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना
दूल्हाक पहिरन बाघक छाल
दूल्हाक पहिरन बाघक छाल
जट्टा में सांप फुफकारे विसाल
कतय सं जोहि लेला, कतय सं जोहि लेला
तपसी भिखारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना
अंग विभूति गल रुद्रक माल
अंग विभूति गल रुद्रक माल
चांद करै चम-चम बीचे लिलाट
इ वरऽ शंकर, इ वरऽ शंकर,
छथि दुखहारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना
गोर नार कनियाँ लऽ
गोर नार कनियाँ लऽ
वर लेला कारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना जुलुम भेलय भारी
चालू देखऽ बहिना
स्वर: शारदा सिन्हा
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/02/jhuk-jaiyo-tanik-raghuveer-lali-meri.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/02/kavna-munh-shiv-jogi-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !