अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 जून 2026
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया लिरिक्स - Sabke Karam Baba Likhalau Ejoriyaa Lyrics
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया लिरिक्स - Sabke Karam Baba Likhalau Ejoriyaa Lyrics
मैथिली शिव भजन
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया
हमरा करम मे अन्हार यौ
बाबा हमरा करम मे अन्हार यौ
दुख ही जन्म लेलौं, दुख में जिबय छी
सुखक छोरलौ बिचार यौ
साबन भादो सन बनल दुनु नैना
नोरक बहै यै धार यौ
बाबा नोरक बहै यै धार यौ
भूखे पियासे बाबा दिवस कटै छी
सपना बनल आहार यौ
कहु यौ दानी हम जीयब कोना कऽ
अहिं छी हमर आधार यौ
बाबा अहिं छी हमर आधार यौ
भक्ति भजन बाबा किछु नै जानय छी
आयल छी अंहिके के द्वार यौ
अहूँ नै सुनय बाबा कहु कतय जेबय
के मोरा करत बेरा पार यौ
बाबा के मोरा करत बेरा पार यौ
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया
सबके करम बाबा लिखलों इजोरिया
हमरा करम मे अन्हार यौ
बाबा हमरा करम मे अन्हार यौ
Singer -Priyanka Maithil
Lyrics -Kavi sharwan Kumar
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/08/khelait-dhupait-bishari-geli-alasay-liye.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2017/07/madhusarwani-Puja.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !