...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

29 अप्रैल 2023

जानकी नवमी व्रत विधि | Janaki Navami Vrat 2025 Date

मिथिला धरोहर : जाहि प्रकार हिन्दू समाज मे 'राम नवमी' के महात्म्य अछि ओहिना 'जानकी नवमी' या 'सीता नवमी' के सेहो। अहि पावन पर्व पर जे व्रत राखैत अछि आ भगवान रामचन्द्र जी सहित भगवती सीता के अपन शक्तिक अनुसार भक्तिभाव पूर्वक विधि-विधान सँ सोत्साह पूजन वन्दन करय छथि हुनका पृथ्वी दान'क फल, महाषोडश दान'क फल, अखिलतीर्थ भ्रमण'क फल और सर्वभूत दया के फल स्वतः भेट जाइत अछि।

'सीता नवमी' पर व्रत आ पूजन लेल अष्टमी तिथि के स्वच्छ भऽ के शुद्ध भूमि पर सुन्दर मण्डप बनाबी। इ मण्डप सौलह, आठ या चाइर स्तम्भ के हेबाक चाहि। मण्डप के मध्य मे सुन्दर आसन राईख भगवती सीता और भगवान श्रीराम केर स्थापना करी।

जानकी नवमी व्रत 2025 तिथि : 6 मई 2025, मंगल दिन

पूजाके लेल स्वर्ण, रजत, ताम, पीतल, काठ या मैट्टीक अहिमे सँ सामर्थ्य अनुसार कुनो एकटा वस्तु सँ बनल मूर्ति (प्रतिमा) के स्थापना कैल जा सकैत अछि। मूर्तिक अभाव मे चित्र द्वारा सेहो पूजन कैल जा सकैत अछि।

इहो पढ़ब :-

नवमी के दिन स्नान आदिक उपरांत जानकी-राम केर श्रद्धापूर्वक पूजन करवाक चाहि।

'श्री रामाय नमः' तथा 'श्री सीतायै नमः'
मूल मंत्र सँ प्राणायाम करबाक चाहि।

'श्री जानकी रामाभ्यां नमः'
अहि मंत्र द्वारा आसन, पाद्य, अर्घ्य, आचमन, पंचामृत स्नान, वस्त्र, आभूषण, गन्ध, सिन्दूर तथा धूप-दीप आ नैवेद्य सँ श्रीराम-जानकी केर पूजन आ आरती करबाक चाहि।

दशमी कऽ दिन फेर विधिपूर्वक भगवती सीता-राम केर पूजा-अर्चनाक बाद मण्डप के विसर्जन कऽ देबाक चाहि। अहि प्रकार श्रद्धा आ भक्ति सँ पूजा करय बला पर भगवती सीता आ भगवान राम केर कृपा प्राप्ति होइत अछि।

व्रत'क विधान
कुनो भी व्रत के पूर्णता ओहिमे कैल गेल संयम-नियम सँ होइत अछि। यदि संभव भऽ सकय तऽ एही दिन फलाहार कैल जाऊ। सीता नवमी के दिन प्रात:काल स्नान कऽ उपरांत सोलह, आठ या चाइर स्तम्भ कऽ मंडप बना कऽ ओहिके ध्वजा-पताका आदि सँ सुशोभित कऽ के आसन पर श्रीसीता-राम केर प्रतिमा या चित्र स्थापित कऽ लिअ। फेर ओहिक आगू जल के कलश राखु। धूप-दीप, पुष्प, अक्षत, फल और मिष्ठान आदि सँ जानकी जी के पूजा करू। श्रद्धा अनुसार वस्त्र-आभूषण आदि चढ़ाबू। जन्मोत्सव के गीत गाउ। शंखनाद करु। 'श्रीसीतायै नम:' मंत्र के जाप करु। दशमी कऽ मंडपक विसर्जन करबाक बाद व्रत के पारण कऽ के यथासंभव दान-पुण्य करबाक चाहि।

1 टिप्पणी:

  1. बेनामीअप्रैल 29, 2023

    बडसुन्दर आलेख, धन्यवाद. किछु विशिष्टताक लेल संस्कृतक मन्त्र तथा बृहत् पूजनपद्धति सेहो संलग्न करबाक चाही.

    जवाब देंहटाएं

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू