सोमवार, 1 दिसंबर 2014

मैथिलि फिल्म अपन प्रेम केँ मुहर्त सम्पन

 
मि.ध., समस्तीपुर: बीतल दू, तिन बरख मे मैथिलि फिल्मक निर्माण अप्पन गति तेज केलक अछि। मैथिली फिल्म उद्योगक स्थापना लेल किछू निर्माता-निर्देशक निक प्रयास कऽ रहल छैथ। जही मे एकटा नाम अछि युवा निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल केँ, जिनकर पहिल मैथिलि फिल्म "अपन प्रेम" केँ मुहर्त शुकर  दिन  (28, नवम्बर) केँ परतापुर चैक, विलेज टेम्पल रोड, समस्तीपुर मे सम्पन कैल गेल। जेकर शुभआरंभ समस्तीपुरक पूर्व सांसद आलोक कुमार मेहता आ फिल्म निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल द्वारा कैल गेल। नरेश मंडल कहलैथ जे इ फिल्म एकटा बुद्धिमान बच्चा केँ उप्पर बनैल जा रहल अछि, जेकर शूटिंग समस्तीपुरक संगे मिथिलांचक दोसर स्थान पर सेहो कैल जायत। एही फिल्म केँ 'आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस'क बैनर अधीन बनायल जा रहल अछि, जेकर कंपनी कार्यालयक उद्घाटन समस्तीपुर मे किछु दिन पूर्व कैल गेल छल। एही प्रोडक्शन हाउसक इ पहिल मैथिलि फिल्म अछि। एही फिल्म लेखक छैथ दिलीप कुमार शाह आ हैड ऑफ प्रोडक्शन छैथ प्रभात रॉय। सहयोगी निर्देशक अंजली कुमारी आ क्रियेटिव निर्देशक विभा कुमारी।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !