...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

8 दिस॰ 2014

एना बनाबू स्वादिष्ट लिट्टी चोखा व्यंजन : विधि

Litti Chokha Vaingan Recipe
सामग्री : आटा, बूटक सत्तू, लहसुन, प्याज, हरीयर मिर्चाय, नेबो (नींबू), अज़वाइन, नून, सरसों के तेल।

विधि : सबसँ पहिले आटा मे कनी नून दऽकेँ गूंइथ लिअ। एकरा बाद एकटा बर्तन मे सत्तू, कटलका हरीयर मिर्चाय छोट-छोट काटल प्याज, अज़वाइन, नेबो कऽ रस, कनी करु (सरसों) के तेल आ स्वादानुसार नून दऽकेँ एकटा चम्मच के सहायता सँ निक जंका मिला लिअ। तकर बाद आटा केँ छोट-छोट लोइया बना केँ ओय मे कचौरी जंका भरावन सामग्री भैर केँ बंद कऽ दियौ।

इहो पढ़ब :-

एकर बाद या तऽ कोयला के आंच मे निक जंका सेंक लिअ, नै तऽ कड़ाही मे तेल गरम कऽ छैन लिअ। (ओवन मे बिस्किट के टेम्प्रेचर पर दऽकेँ सेहो पका सकै छिं।)
चोखा बनाबै के विधि : उसनल गेल आलू आ आइग पर पकैल  भांटा (बैगन), पकैल गेल टमाटर, तीनो के छील क एकटा बर्तन मे इकट्ठा कऽ लिअ। आब ओही मे काटल गेल हरीयरका मिर्चाय, काटल गेल प्याज, बारीक काटल हरीयरका धनिया मे स्वादानुसार नून मिला लिअ।

इहो पढ़ब :-

बस भऽ गेल लिट्टी-चोखा तैयार। बिल्कुल सेहतमंद आ स्वादिष्ट भोजन।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »