बुधवार, 28 सितंबर 2016

मिथिलाक बेटी यूनेस्को मे लहरेलनि मिथिला पेंटिंग केर परचम 

मिथिला धरोहर : समस्तीपुर जिलाक अंतर्गत काशीपुर गामक निवासी स्व. विजय कुमार सिन्हा आ श्रीमती इंदू सिंहा केर बेटी भारती दयाल मिथिला पेंटिग्स के क्षेत्र मे बहुते ख्याति प्राप्त क लेने छथि। एक बेरा फेर मिथिलांचल केर बेटी भारती दयाल मिथिला पेंटिग्स केर क्षेत्र मे मिथिला के नाम विश्व केर मानचित्र पर पंहुचेलनी। किछ दिन पहिले भारत सरकार दिसन सँ भारती दयाल कल्चलर एंबेसडर बैन यूनेस्को गेल छलि। जतय ओ मिथिला पेंटिग्स मे अपन हुनर देखेलनी। ओतय हिनका संगे केंद्रीय कपड़ा मंत्री स्मृति ईरानी सेहो गेल छलथि।

हिनकर पेंटिग के बहुते पुस्तक केर कवर पेज पर लगाया जा चुक अछि। ओतय हिनकर सहयोग सँ बिहारक दू सौ महिला के स्वरोजगार सँ सेहो जोइर चुकल छथि। साल 2006 मे राष्ट्रपति प्रतिभा सिंह पाटिल हिनका पुरस्कृत केने छलथि।

एनके सिंह आ निश्चल स्ट्रेन द्वारा अंग्रेजी मे लिखित पुस्तक द न्यू बिहार के कवर पेज मे हिनकर पेंटिग्स के लगायल गेल अछि। जेखनकी फार्म ऑफ डिवोशन मे बहुते पेंटिग्स के स्थान भेटल अछि। अहि पुस्तक मे देशस्तर केर नामचीन चित्रकार के पेंटिग्स के शामिल कैल गेल अछि।
फोटो : सोर्स

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !