सोमवार, 26 सितंबर 2016

जागरण फिल्मोत्सव मे देखायत नीतू चंद्रा केर मैथिली फिल्म 'मिथिला मखान'

मिथिला धरोहर, प्रभाकर मिश्र : अभिनेत्री नीतू एन. चंद्रा केर मैथिली फिल्म ‘मिथिला मखान’ एतय (मुंबई) 7वां जागरण फिल्मोत्सव मे देखायल जायत। चंपारण टॉकीज बैनरक द्वारा निर्मित आ नितिन चंद्रा द्वारा निर्देशित अहि फिल्म के 29 सितंबर के भारतीय शोकेस खंड मे देखायल जायत।


बताबैत चली जे मैथिली भाषा के फिल्मक श्रेणी मे अहि फिल्म के 28 मार्च, 2016 के 63म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार (नेशनल अवॉर्ड) भेंट चुकल अछि। मिथिला मखान फिल्म के शूटिंग भारत (दरभंगा, सुपौल आ मधुबनी), नेपालक संगे न्युयोर्क आ टोरंटो मे फिल्मायल गेल अछि। फिल्मक मुख्य भूमिका मे क्रान्ति प्रकाश, अनुरिता झा आ पंकज झा एहने नाम अछि। तहिना मैथिली रंगमंच केर माँ प्रेमलता मिश्र प्रेम संग अनेको परिपक्व अभिनेता-अभिनेत्रीक उपस्थिति अछि। प्रवेश मल्लिक केर संगीत मे सुरेश वाडकर, श्रेया घोसाल, उदित नारायण झा आ सोनू निगम केर मधुर गायन अछि। जानकारीक अनुसार फिल्म के अहि साल नवम्बर मे पर्दा पर देखल जा सकैत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !