शनिवार, 24 सितंबर 2016

मैथिली धारावाहिक ''स्वर्ग नहि बिनु मुईने'' 2 अक्टूबर सँ : Maithili Seriel 'Swarg Nahi Binu Muene' Telecasts From October 2

मिथिला धरोहर, प्रभाकर मिश्रा : डीडी बिहार के लेल एखन धरि मैथिलीमे पांच गोट धारावाहिक केर निर्माण भ' चुकल अछि। एही क्रम मे एकटा औरो मैथिली धारावाहिक आबि रहल अछि जेकर नाम अछि "स्वर्ग नहि बिनु मुईने"। गंगा मूवीज के बैनर केर प्रस्तुति एही धारावाहिक के निर्माता संग निर्देशक छथि बालकृष्ण झा जे एही सँ पाहिले मैथिली फिल्म 'सस्ता जिनगी महज सेनुर' आ 'सेनुरक लाज' एहेन पारिवारिक फिल्म के निर्माण क चुकल छथि। एहि धारावाहिक मे मुख्य अभिनेताक भूमिका मे छथि ‘डमरू उस्ताद’ आ मैथिली धारावाहिक 'एस. एन. झा के गजबे दुनिया' केर हिरो ‘अनिल मिश्र।


अहि मैथिली धारावाहिक (स्वर्ग नहि बिनु मुईने) केर प्रसारण 2 अक्टूबर सँ प्रत्येक रविदिन साँझ के 6 बजे डीडी बिहार चैनल पर कैल जायत। 26 एपिसोड के इ धारावाहिका पूर्णत: काल्पनिक प्रेम कहानी और पारिवारिक समस्याओं पर आधारित अछि। जाहिमे मिथिला के आर्थिक विकास के पिछड़ापन के एकटा एहन पहलु उजागर होयत, जाहिके देख लोग के सोचय पर मजबूर क देत जे आखिर अहि पिछड़ापन के असली जिम्मेवार के अछि?

जानकारीक अनुसार दोसर मैथिली धारावाहिक ‘‘सिनेहक बंधन’’ के काम शुरू कैल जा रहल अछि। अहि लेल स्थानीय कलाकारक चयन शुरू भ चुकल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !