गुरुवार, 22 सितंबर 2016

पाग बचाउ अभियान दरभंगा मे 16 अक्टूवर के

मिथिला धरोहर, दरभंगा : पाहिले दिल्ली आ तेकर बाद मधुबनी मे भेटल अपार सफलता के उपरांत 16 अक्टूबर के दरभंगा मे ‘पाग बचाउ अभियान के शुभारंभ कैल जायत। मिथिला लोक फाउंडेशन द्वारा एही मौका पर पाग मार्च आ मैथिली संगीत संध्या के आयोजन कैल जायत। संगेह् मिथिला के गौरव मे अभिवृद्धि करय बला के ‘पाग सम्मान सँ सम्मानित कैल जेतनी।

इहो पढ़ब :-

दरभंगा मे आयोजित होमय जा रहल एही कार्यक्रम के जानकारी मिथिला लोक फाउंडेशन ट्रस्ट केर अध्यक्ष डॉ. बीरबल झा देलैथ अछि। ओ कहलखिन जे एही कार्यक्रम के मुख्य उदशेय मिथिलांचल के सर्वांगीण विकासक लेल लोग के जागरूक केनाय औरो लोग के सोंझा एकटा रोडमैप रखनाय अछि। पाग बचाउ अभियान केर माध्यम सँ मिथिला लोक फाउंडेशन जतय एक दिस दुनिया के मिथिलाक समृद्ध सांस्कृतिक विरासत सँ परिचित करेबाक प्रयास केलक अछि, ओतय दोसर दिस मैथिल के चिर लंबित समस्या के समाधानक लेल विभिन्न कार्यक्रम केर माध्यम सँ प्रयासरत छैक।
(हिन्दुस्तान ब्यूरोअ)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !