...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

14 जन॰ 2017

मिथिलाक अहि संग्रहालय मे अछि एक इंच के दुर्लभ रामायण आ कुरान ...जानू

मिथिला धरोहर : दरभंगा जिला मे स्थित चंद्रधारी संग्रहालय मे बहुते बहुमूल्य धरोहर सुरक्षित राखल गेल अछि। एतय ब्रह्मा के दुर्लभ पांचजन्य शंख अछि। दांया दिस मुंह वला दक्षिणवर्ती शंख अछि। 24 तरहक हीरा अछि। एकटा एहन अंगूठी सेहो अछि, जेकरा पहिरला सँ शरीर के तापमान'क जानकारी भेटैत अछि। हीरा जडि़त शिव विद्या यंत्र, श्रीचक्र, एकमुखी रुद्राक्ष समेत सोना के बहुते सिक्का अछि। अहि ठामक धरोहर के लिस्ट एतय पूरा नय होइत अछि। 
एतय महज एक इंच के रामायण, दुर्गा सप्तशती आ कुरान सेहो राखल गेल अछि। अहि पुस्तक के लेंसे टा सँ पढ़ल जा सकैत अछि। एतय बहुते अन्य दुर्लभ चीज सेहो अछि, जेकरा देखला सँ समृद्ध विरासत के स्मृति जीवंत भऽ उठैत अछि। संग्रहालय के विशेष दीर्घा मे राखल एक इंच के तीनो धार्मिक ग्रंथ (रामायण, दुर्गा सप्तशती आ कुरान) के लंबाई आ मोटाई मात्र एक इंच अछि। अहिमे रामायण आ दुर्गा सप्तशती केर सबटा अध्याय और कुरान कऽ सबटा आयत समाहित अछि। लेखक अचलाईनाथ योगी जी पूरा ग्रंथ के एही तरहे समायोजित केने छथिन जे देखय बला आश्चर्यचकित रैह जाइत छथि। अहिक प्रकाशन बनारस'क गोरखानंद पुस्तकालय सँ भेल अछि।
1957 मे भेल छल स्थापना
चंद्रधारी संग्रहालय के स्थापना 7 दिसंबर 1957 के कैल गेल छल। पहिले एकर नाम मिथिला संग्रहालय पड़ल। बाद मे मुख्य दाता मधुबनी जिला के रांटी ड्योढ़ी के जमींदार बाबू चंद्रधारी सिंह केर नाउ पर एकर नामकरण भेल। हुनका सँ भेटल कलाकृति आ धरोहर सँ एकर निर्माण कैल गेल छल। एतय 11 दीर्घा मे पुरातात्विक आ कलात्मक कृतिं प्रदर्शित अछि। आम दर्शक लेल दस सँ चाइर बजे धरि संग्रहालय खुजल रहैत अछि। 


कतेको हस्ति के भऽ चुकल अछि आगमन
संग्रहालय मे देश के कतेको हस्ति के आगमन भऽ चुकल अछि। दरभंगा के महाराजा कामेश्वर सिंह खुद धरोहर के अवलोकन कऽ चुकल छथि। पूर्व प्रधानमंत्री लाल बहादुर शास्त्री, इंदिरा गांधी, पूर्व राष्ट्रपति डॉ. जाकिर हुसैन, लोकनायक जयप्रकाश नारायण आ हुनक  पत्नी प्रभावती, पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. श्रीकृष्ण सह, कर्पूरी ठाकुर, पूर्व राज्यपाल डॉ. एआर किदवई, डॉ. एलपी शाही, जगन्नाथ कौशल आदि एकर मुआयना कऽ चुकल छथि।

Tags: # Bihar museum # Chandradhari museum # Darbhanga museum  # Mithila heritage

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू