...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

16 मार्च 2018

अहि छह टा फिल्म सँ नवका उचाई पर जायत मैथिली सिनेमा मुदा...

मैथिली सिनेमाक ५० साल पूर्ण भऽ चुकल अछि। एहि अंतराल मे मैथिली सिनेमा लेल छोट पैघ अनेको प्रयास भेल, मुदा एक-आध टा कें छोडि कोनो फिल्म के व्यावसायिक वा आन तरहक सफलता नहि भेटि सकल। जाहि कारण किछ रास फिल्म निर्माण भेलाक बादो प्रदर्शित नै भ रहल अछि या नै कैल जा रहल अछि। एहने किछ फिल्म के नाम अछि...

डमरू उस्ताद
अहि मैथिली फिल्म के शूटिंग जून २०१३ में आरंम्भ भेल छल। सितम्बर २०१४ में अहि फिल्म के पटनाक किछ सिनेमा घर मे रिलीज कैल गेल छल। फिल्म नारी सशक्तिकरण पर आधारित अछि जे मैथिली और भोजपुरी दुनु भाषा मे बनल अछि। फिल्मक मुख्य भूमिका मे नेहा श्री, अनिल मिश्रा, विजय मिश्र, मीना गौतम, शुभ नारायण झा, नीलेश दीपक, आदि छथि फिल्मक निर्माण विष्णु पाठक केने छथि। लेखक अनूप कुमार आ संगीत पवन नारायण देने छथि। मिथिलाक सब सिनेमा घर मे अहि फिल्म के प्रदर्शित हेबाक इंतजार अछि।


इहो जरूर पढ़ब :- 



ललका पाग
अहि फिल्मक शूटिंगक काज २०१४ में आरम्भ भेल छल और फरवरी २०१५ में संगीत रिलीज कैल गेल छल। सेक्रेड फिग एन्टरटेनमेंट लेल एहि फिल्मक निर्माण गुजराती युवा रत्नेश एन शाह छथि आ निर्देशक प्रशांत नागेन्द्र। उक्त फिल्म मिथिलाक नारी संवेदना पर केंद्रित अछि, मुख्य भूमिका मे स्वेता वर्मा, मीना गौतम, रोशन राज, प्रेमलता मिश्र प्रेम आ उमाकांत छथि। प्रसिद्ध रचनाकार हृदय नारायण झा आ कुणालक गीत कें सीताराम सिंहक संगीत गायक उदित नारायण झा, नंदिता चक्रवर्ती स्वर देलनि छथि।
मिथिला मखान
निर्देशक नितिन चंद्रा ‘चंपारण टॉकीज़’ के बैनर तर फिल्म ‘मिथिला मखान’ के शूटिंग मई २०१५ में सुरु भेल छल एकर शूटिंग कनाडा, नेपाल और मिथिला क्षेत्र भेल अछि। फिल्मक प्रमुख रोल मे क्रांति प्रकाश, अनुरिता झा, पंकज झा छथि जे बॉलीवुड मे अपन पहचान बना चुकल छथि। मैथिली रंगमंच के मांजल कलाकार प्रेमलता मिश्र प्रेम फिल्म मे सेहो छथि। प्रवेश मल्लिक के संगीत में सुरेश वाडेकर सोनू निगम और श्रेया घोसाल के  गायिकी बला अहि फिल्म सँ मैथिल भाषी के  बहुते उम्मीद अछि। निर्माता नीतू चंद्रा निर्मित अहि फिल्म के ६३म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार भेंटि चुकल अछि। इ फिल्म २०१६ सँ बनी क तैयार अछि।


इहो जरूर पढ़ब :- 



दुल्हा चोर
निर्देशक वीरेन्द्र पासवान द्वारा निर्देशित अहि फिल्म के सबटा काज २०१७ में पूर्ण क लेल गेल अछि। दहेज़ प्रथा पर आधारित अहि फिल्म 'दूल्हा चोर' के निर्माता भजन गायक एन के झा “श्याम जी” छथि। अभिराज झा के लिखल गीत के संगीत सँ देने छथि सुरेश आनंद। पार्श्वगायन उदित नारायण, श्याम झा, पुष्प लता, अलका झा तथा सुरेश आनंद। फ़िल्म में मुख्य कलाकार छथि कुमार घनश्याम, कल्पना शाह, प्रतिभा पाण्डेय, अरुणा गिरी आदि। अहि फ़िल्म गीत यूट्यूब पर रिलीज भ गेल ऐछ मुदा फिल्म प्रदर्शित हेबाक इंतजार अछि।

लव यू दुलहिन
श्री राम जानकी फिल्म्स तर बनल अहि मैथिली फिल्म 'लव यू दुलहिन' के निर्माता छथि विष्णु पाठक आ रजनी पाठक और निर्देशित केने छथि मनोज श्रीपति। अहि फिल्मक शूटिंग २०१७ के प्रारम्भ भेल छल जेकर शूटिंग पूर्ण भ गेल अछि। कलाकार रूप में विकास झा, आलोक कुमार, अमिय कश्यप, अनिल पतंग, विजय मिश्र, शुभ नारायण झा, प्रतिभा पांडेय ,इंनुश्री आ पूजा पाठक। मैथिल दर्शक के अहि फिल्मक बेसबरी सँ प्रतीक्षा अछि।
प्रेमक बसात
मैथिलि मे एहन पहिल सिनेमा अछि जेकर सबटा कलाकार सँ लऽके टेक्नीकल सपोर्ट धरि सब हिंदी सिनेमा जगत के छथि। एहि फिल्म मे बतौर हिरो पियूष कर्ण आ हिरोईन रैना बनर्जी केँ भूमिका देल गेल अछि। कथा-पटकथा एवम् निर्देशन रूपक शरार केर, कैमरामैन नरेन्द्र पटेल, संगीत प्रवेश मल्लिक केर रहल ई फिल्म प्रेमक बसात के सूटिंग समाप्त भऽ चुकल अछि। सम्भव अछि जे अहि सिनेमा के अहि साल (२०१८) प्रदर्शित क देल जाइत।

Tags : # Maithili Film # Damru Ustad # Lalka Paag # Mithila Makhan # Dulha Chor # Love U Dukhon # Premak Basaat

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू