अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
4 अक्टू॰ 2018
सहरसा के बेटी अभिनेत्री उल्का गुप्ता केर परिचय
मिथिला धरोहर (प्रभाकर मिश्रा 'ढुन्नी') : साल २००९ मे आयल टीवी शो 'झांसी की रानी' मे रानी लक्ष्मीबाई के बचपन'क किरदार निभा चुकली उल्का गुप्ता ( Ulka Gupta, Saharsa ) के त अहाँ सब जानीते हेबनी। उल्का अपन अहि किरदार लेल बहुते रास अवार्ड्स प्राप्त केलनी तहन ओ मात्र १२ सालक छली। मिथिला के सहरसा जिला मध्य स्थित चंदनी चौक के उल्का गुप्ता आई मुम्बई फिल्म इंडस्ट्रीज मे कुनो परिचय के मुहताज नै छथि।
७ सालक उम्र मे शो 'रेशम डंक' के साथ एकटा चाइल्ड एक्ट्रेस के तौर पर अपन टीवी करियर शुरुआत केने छली, और टीवी शो के बात करी त एखन धरि 'वीर शिवाजी', 'सात फेरे', 'खेलती है ज़िन्दगी आंख मिचोली', 'देवों के देव... महादेव' और 'शक्तिपीठ के भैरव' मे अभिनय क चुकल छथि। मुदा, एहि दौरान हिनक झुकाव फ़िल्मक दिस बेसी बढ़लनी।
फिल्म मे काज करबाक बात करी त टॉलीवुडक फिल्म 'अंधेरा पोरी' (२०१५) आ 'रूद्रमहादेवी' (२०१७) मे एकटा प्रमुख भूमिका निभा चुकल छथि। हिनक द्वारा अभिनय कैल गेल हिंदी फिल्म अछि 'ट्रैफिक' (२०१६) और 'मिस्टर कबाड़ी' (२०१७)। अल्का मराठी फिल्म मे सेहो एक्टिंग केने छथि।
उल्का बंगाली फ़िल्म 'श्रेष्ठ बंगाली' मे नज़र ऐल छली जाहिमे राजपाल यादव और शक्ति कपूर सेहो छल, हिनक दोसर बंगाली फ़िल्म 'ओढ़ एक्ट्रेसन' छनि।
Tags
Mithilak Artist
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/prakriti-sundari-poem-by-madhup.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2018/10/vedi-ghumay-kaal-maithili-lokgeet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)




कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !