अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
26 फ़र॰ 2019
अच्छा त ट्रिवागो के विज्ञापन मे देखाय बला लड़का मैथिल छी
जेखन भी अहाँ टीवी चालू करैत छी तहन एकटा ट्रिवागो के विज्ञापन जरूर देखने हैब। तहन अहाँ खुद सं पूछने हैब जे ट्रिवागो के विज्ञापन मे देखाय बला इ लड़का के छियै? जे कहै छै "क्या आपने कभी ऑनलाइन होटल सर्च किया है"। ट्रिवागो एकटा जर्मन मल्टी नेशनल कंपनी छै जे ५६ सं बेसी देश मे एकटा ऑनलाइन होटल सर्च इंजन प्रदान करैत छै। ट्रिवागो अपन विज्ञापन मे कुनो भी विख्यात मॉडल के नै लैत अछि। ताहिलेल, एकर सबटा मे ओहि लोग के देखायल जाइत छै जे आम और सामान्य देखैत होय।
भारत मे ट्रिवागो के विज्ञापन मे देखाय बला आदमी के असली नाम अभिनव कुमार अछि।ओ मूलरूप सं लखीसराय जिला अंतर्गत आबय बला बढ़हिया नामक गांव सं सम्बन्ध राखैत छथि। हिनक पिता के नाम गौरांग प्रसाद सिंह छनि, जे एकटा किसान छथि। हिनक माता के नाम नीलम देवी छनि।
अहाँ के बता दि जे अभिनव कुमार के जन्म लखीसराय (बढ़हिया) मे भेलनि, मुदा ओ बहुते दिन देवघर मे बितेला, कियाकि की हिनक दादी देवघर मे रहैत छलनि। हिनक स्कूली शिक्षा नामकुम स्थित बिशप वेस्टकॉट स्कूल मे भेलनि। दशवी पास क ओ पुणे चली गेला और बारवी तक के पढाई मराठवाड़ा कॉलेज सं केलथि। स्नातक करबाक के दौराने ओ मास्टर्स स्टडी लेल इटली के तरन्तो यूनिवर्सिटी मे आवेदन क देने छलथि। जेतय चयनित भेलाक बाद हुनका स्कोलरशिप सेहो भेटलनि। एखन ओ जर्मनी के डसेलडोर्फ शहर मे ट्रिवागो के कंट्री मैनेजर (भारत दिसन सं) के पद कार्यरत छथि।
trivago कंपनी के विज्ञापन पॉलिसी के तहत ओ कुनो नामी गिरामी मॉडल के बजाय फ्रेश चेहरा के मौका दैइत आबि रहल अछि। कंपनी के भारत मे अपन विज्ञापन लेल कुनो चेहरा के ताक छल, मुदा कंपनी के कुनो मॉडल पसंद नै आयल। फेर ओकर बाद trivago कंपनी अभिनव कुमार के इ विज्ञापन करबाक सलाह देलक।
जेकर बाद अभिनव अहि ऐड के केलनि। शुरू-शुरू मे अभिनव कनि त हिचकिचेलनी मुदा फेर बाद मे ओ अहि चुनौती के स्वीकार करबाक लेल तैयार भ गेला।
अभिनव के कतेको बेरा सोशल मीडिया पर ट्रोल सेहो कैल गेलनि। हिनका पर बहुते तरहक चुटकुले बनल छनि।
Tags
Mithilak Artist
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/03/shankar-shah-from-sultanganj.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/jhakhan-gagan-ghan-garjat-sajni-ge.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



Wah ki baat chay
जवाब देंहटाएं