मंगलवार, 31 दिसंबर 2019

थानेश्वर स्थान, समस्तीपुर : माथा टेकनिहार के सब मनोरथ होइत अछि पूर्ण

मिथिला धरोहरो, समस्तीपुर । लोगक धार्मिक आस्थाक केंद्र अछि समस्तीपुर जिलाक थानेश्वर स्थान मंदिर ( Thaneshwar Asthan Temple Samastipur )। अहि मंदिर मे स्थापित शिवलिंग संगे माता पार्वती सेहो विराजमान छथिन। इ मंदिर लोगक मनोकाना पूर्ण करबाक लेल चर्चित अछि । कहल जाइत अछि जे एतय माथा टेकनिहार के सब मनोरथ पूर्ण होइत अछि। 
मंदिर के इतिहास : वर्ष 1901 मे एतय एकटा विशाल पीपर के वृक्ष सूखबाक बाद शिवलिंग प्रकट भेल छल। तहिक उपरांत लोग सब पूजा अर्चना शुरू क देलनि। 

इहो पढ़ब:-
पूर्व मंत्री सह गवर्नर सत्यनारायण सिंह कोबला मांगने छलथि चुनाव जीत जायब त एतय मंदिर बनबायब। चुनाब जीतबाक पश्चात 1952 मे मंदिर बनेबाक लेल भिक्षाटन शुरू कैल गेल। भिक्षाटन करैत देख बिरला के मैनेजर अपना हाथ कटोरा ल लेलथि और कहला जे इ काज हमरा जिम्मा द देल जाऊ।ताहि पश्चात बिरला केर द्वारा अहि मंदिर के निर्माण कैल गेल। अहि मंदिर पास थाना भेला सँ तथा सिपाहि द्वरा लगातार पूजा अर्चना कैल जेबाक कारण मंदिर के नाम थानेश्वर स्थान परल छल।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !