...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

4 जन॰ 2023

तिला संक्रांति विशेष : तिलबा केना बनायब ! तिल के लड्डू

तिला (मकर) संक्रांति मिथिला मे एकटा बरका पावैन अछि। अहि पावनिक अवसर पर तिल के लड्डू Tilaba, Til Ke Ladoo बनायल जाइत अछि। तिल के लड्डू खाय मे बहुते स्वादिष्ट होइत अछि आ स्‍वास्‍थ्‍य पर सेहो नीक असर परैत अछि। मिथिला मे एकरा 'तिलबा' सेहो कहल जाइत अछि। आउ देखय छी एकरा कोना बनाबल जाइत अछि।

सामग्री:-
500 ग्राम तिल
250 ग्राम गुड़

इहो पढ़ब :- 

विधि:-
सबसं पहिले चूल्हा पर कराही राइख क तिल क धीम आंच पर भुईज लिअ आब एकरा एकटा बर्तन मे निकैल लिअ,
फेर कराही मे गुड़ आ कनि रास पाईन द एकरा नीक जँका पिघला लिअ जहन गुड़ मे एकटा तार बनय लागय तहन आंच के बंद क दियो, 
आब तिल द क नीक सं मिला लिअ। आब एकटा वर्तन मे एकरा निकैल लिअ और हाथ मे कनि पाईन लगा क कनि-कनि हाथ मे ल क तिलबा (लड्डू) बना लिअ। ध्यान देल जाउ जे अछि लड्डू के गरमे-गरम बनायल जाइत अछि।



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »